काशी तमिल संगमम साकार कयलक महाकवि सुब्रमण्यम भारतीक 100 वर्ष पुरान सपना : डॉ. जयंती मुरली

 

वाराणसी। महान स्वतंत्रता सेनानी आ महाकवि सुब्रमण्यम भारतीक उत्तर आ दक्षिण भारतक बीच सांस्कृतिक आ व्यापारिक आदान-प्रदानक करीब 100 वर्ष पुरान सपना आइ साकार होइत देखाइत अछि। महाकवि भारतीक बहिन लक्ष्मी अम्मालक पौत्री डॉ. जयंती मुरली काशी तमिल संगममके प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदीक एकटा सराहनीय पहल बतबैत कहलनि जे एहि आयोजन ‘एक भारत, श्रेष्ठ भारत’ केर परिकल्पनाके धरातल पर उतारबाक काज कयलक अछि।

काशी तमिल संगममसँ जुड़ल अपन अनुभव साझा करैत डॉ. मुरली कहलनि जे एहि आयोजनक माध्यमसँ हुनका विद्यार्थीसबक संग संवाद करबाक आ महाकवि सुब्रमण्यम भारतीक जीवन, विचार आ साहित्यिक योगदानसँ परिचित करयबाक अवसर भेटलनि। विद्यार्थीसभ हुनकर बातके बहुत रुचि आ ध्यानसँ सुनलनि। ई पहल केवल विद्यार्थीसब धरि सीमित नहि अछि, बल्कि शिक्षक आ समाजक विभिन्न वर्गक लोक सेहो एहि संग जुड़ि रहल छथि।

डॉ. मुरलीक कहब छनि जे कोनो संस्कृति आ परंपराक बारेमे किताबमे पढ़ब एकटा अलग अनुभव होइत अछि, मुदा जखन उत्तर प्रदेश आ तमिलनाडुक लोक आमने-सामने अबैत छथि, तखन वास्तविक सांस्कृतिक आ ज्ञानक आदान-प्रदान होइत अछि। काशी तमिल संगमम एहि संवादके संभव बनौने अछि आ दुनू क्षेत्रक लोकके एक-दोसराक विरासत बुझबाक अवसर देने अछि।

गंगा आ कावेरीक मिलनक कल्पना भेल साकार

महाकवि सुब्रमण्यम भारतीक दूरदर्शी सोचक चर्चा करैत डॉ. जयंती मुरली कहलनि जे ओ करीब एक शताब्दी पहिनहि अपन रचनाक माध्यमसँ उत्तर आ दक्षिण भारतक बीच सांस्कृतिक आ व्यापारिक संबंध मजबूत करबाक कल्पना कयने छलाह। हुनकर एकटा कवितामे गंगाक तट पर उपजल गहूम आ कावेरी क्षेत्रक मिठगर पानक आदान-प्रदानक उल्लेख भेटैत अछि।

ओ कहलनि जे महाकवि भारतीक ई कल्पना केवल वस्तुक आदान-प्रदान धरि सीमित नहि छल, बल्कि एकर पाछू देशक विभिन्न क्षेत्रके सांस्कृतिक आ भावनात्मक रूपसँ जोड़बाक व्यापक भावना छल। प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदीक पहल पर आयोजित काशी तमिल संगमम उत्तर प्रदेश आ तमिलनाडुक बीच एकटा मजबूत सांस्कृतिक सेतुक काज कयलक अछि। एहि तरहें महाकवि भारतीक गंगा आ कावेरीके जोड़बाक सपना आइ नव स्वरूपमे साकार भऽ रहल अछि।

काशी तमिल संगमम 5.0 लेल पंजीकरण शुरू

उल्लेखनीय अछि जे काशी तमिल संगममक पांचम संस्करण 28 नवंबरसँ 12 दिसंबर 2026 धरि आयोजित होयत। एहि बेर आयोजनक मुख्य विषय ‘थिरुक्कुरल पयिलवोम’ अर्थात् ‘आउ, तिरुक्कुरल पढ़ी’ राखल गेल अछि। एकर उद्देश्य तमिल साहित्यक महान कृति तिरुक्कुरलक ज्ञान, दर्शन आ नैतिक मूल्योके देशभरक विद्यार्थी आ आम लोक धरि पहुंचेनाइ अछि।

एहि सांस्कृतिक आयोजनक हिस्सा बनबाक इच्छुक प्रतिभागीक लेल पंजीकरण प्रक्रिया शुरू भऽ गेल अछि। काशी तमिल संगमम 5.0 केर माध्यमसँ एक बेर फेर उत्तर आ दक्षिण भारतक सांस्कृतिक, आध्यात्मिक आ साहित्यिक परंपराके जोड़बाक आ राष्ट्रीय एकताक भावनाके मजबूत करबाक प्रयास कयल जा रहल अछि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *