
मधुबनी। बीतल मास सं रूकि रूकि कय मिथिला क्षेत्र मे बारिश भ रहल अछि। राज्य सरकार सेहो हाई अलर्ट जारी कय चुकल अछि। ओहि मे मधुबनी आ दरभंगा सेहो अछि। स्वयंसेवी संस्था अभ्युदय के राष्ट्रीय अध्यक्ष सह भाजपा नेता विभय कुमार झा एहि संदर्भ मे मधुबनी नगर पालिका के कार्यपालक पदाधिकारी सं भेंट केलाह आ मधुबनी मे जल जमाव आ दोसरो समस्या कें लय क नगर पालिका परिषद के कार्यपालक अधिकारी आशुतोष आनंद चैधरी कें कहलखिन्ह। मधुबनी परिसदन मे करीब घंटा भरिक एहि भेंटघाट मे आनो विषय पर गप्प भेलेन्ह।
भाजपा नेता विभय कुमार झा कें कहब छन्हि जे जाहि तरहें अपना सभक क्षेत्र मे बरसात भ रहल अछि। कतओ ठनका खसि रहल छैक, ओहि सं मधुबनी शहर मे कतेको जगह भारी जल जमाव भ रहल अछि। नाली सभक हाल चिंताजनक जनक। निकासीकें व्यवस्था अवरूद्ध भ चुकल छैक। नगर पालिका परिषद सहित गांव मे रहनिहार लोकक अपन अलग अलग समस्या छन्हि। सभ लोककें बाढिक चिंता सता रहल छन्हि। ओ कहलाह जे जाहि तरहें बारिश भ रहल अछि, ओकरा सं बाढिक संभावन प्रबल अछि। कतेको नदी कें जलस्तर बढि गेल अछि। पोखरि सेहो उफनि रहल अछि। हम अपन एहि चिंता कें लय क बिहार सरकार के आपदा मंत्री लक्ष्मेश्वर राय जी सं सेहो पटना मे भेंट कयने रहि। हुनका अपन चिंता सं अवगत करोने रहि।
भाजपा नेता विभय कुमार झा कहलाह जे अभ्युदय सेहो अपन चिंता सं नगर पालिका परिषद के कार्यपालक अधिकारी आशुतोष आनंद चैधरी जी कें अवगत करा देलक अछि। ओ विभागीय तैयारी के संदर्भ मे जानकारी देलाह। हम हुनका सं जनहित मे यथासमय उचित कदम उठेबाक लेल आग्रह केलौं। विभय कुमार झा कहलाह जे हमर संस्था हर परिस्थिति मे जनता के बीच आ लोकक संग काज करबा लेल तैयार अछि। बाढिक लेल हम सभ कार्ययोजना बनौने छी।