हजारों प्रज्वलित दीपकक साक्षीमे राष्ट्र जागरण आ मानव कल्याणक सामूहिक संकल्प

नई दिल्ली। अखिल विश्व गायत्री परिवार द्वारा इंदिरा गांधी इंडोर स्टेडियममे आयोजित परम वंदनीया माता भगवती देवी शर्मा जीक जन्मशताब्दी महोत्सवमे रविदिन केंद्रीय गृहमंत्री अमित शाह शामिल भेलाह। हजारों दीपकक जगमगाहट, आध्यात्मिक चेतना आ सामूहिक संकल्पक बीच समारोहसँ ‘वसुधैव कुटुम्बकम्–वन वर्ल्ड, वन फैमिली’क संदेश गूंजल। युगऋषि पं. श्रीराम शर्मा आचार्य आ वंदनीया माताजी के आदर्शके समर्पित एहि महोत्सवमे राष्ट्र जागरण, सामाजिक समरसता आ विश्व कल्याणक भावना प्रमुखता सँ उभरल।

एहि अवसर पर केंद्रीय गृहमंत्री अमित शाह कहलनि जे आइ श्रद्धा, सेवा आ संकल्पक दिन अछि। जेना 100 अंक पूर्णताक प्रतीक होइत अछि, तहिना ई वर्ष सेहो पूर्णांकक समान अछि। भारतीय आध्यात्मिक यात्राक लेल सेहो ई पूर्णताक वर्ष अछि।

श्री शाह कहलनि जे ई आयोजन मात्र धार्मिक आ आध्यात्मिक अनुष्ठान नहि, बल्कि मंत्रमे निहित सकारात्मक ऊर्जाके आत्मसात करैत मनुष्यक भीतर विद्यमान सत् तत्व आ श्रेष्ठ संभावनाक पूर्ण अभिव्यक्तिक एकटा सशक्त मार्ग अछि। ई साधना मनुष्यक आंतरिक चेतनाके जागृत कऽ ओकर व्यक्तित्व, विचार आ कर्मके सकारात्मक दिशा दैत अछि।

परम पूज्य गुरुदेव पं. श्रीराम शर्मा आचार्यके भारतीय अध्यात्म जगतक महान चिकित्सक बतबैत श्री शाह कहलनि जे गुरुदेव गायत्री मंत्रक शक्ति आ महत्ताके जन-जन तक पहुँचौलनि आ विशेष रूपसँ युवासभके आध्यात्मिक चेतनासँ प्रेरित कयलनि। लगभग 15 करोड़ परिवारके गायत्री मंत्रसँ जोड़ि एकरा मानवता कल्याणक माध्यम बनेबाक जे व्यापक अभियान चलाओल गेल, से भारतीय आध्यात्मिक परंपराक विजयक उद्घोष अछि। गुरुदेवक ई प्रयास अध्यात्मके जनजीवनसँ जोड़बाक आ समाजमे सकारात्मक चेतनाक विस्तार करबाक ऐतिहासिक पहल रहल अछि।

जन्मशताब्दी समारोहक दलनायक आ देव संस्कृति विश्वविद्यालयक उपाध्यक्ष डॉ. चिन्मय पण्ड्या कहलनि जे ई समय राष्ट्र जागरणक अछि। अपन संकीर्णतासभसँ ऊपर उठि व्यापक दृष्टिकोणसँ सोचबाक आ समाज लेल काज करबाक ई दुर्लभ अवसर अछि। जखन भारत जागत, तखने विश्व जागत। ओ व्यक्ति निर्माण, परिवार निर्माण आ राष्ट्र निर्माणक संकल्पके जीवनमे उतारबाक आह्वान कयलनि।

एहिसँ पूर्व समारोहक विभिन्न सत्रमे दिल्लीक उपराज्यपाल तरनजीत सिंह संधू, केंद्रीय सामाजिक न्याय आ अधिकारिता मंत्री डॉ. वीरेंद्र कुमार, केंद्रीय मंत्री दुर्गादास उइके, केंद्रीय मंत्री डॉ. चन्द्रशेखर पेम्मासानी, चर्च ऑफ इंग्लैंडक एंग्लिकन बिशप राइट रेवरेंड लूसा, ब्रिटेनक हाउस ऑफ लॉर्ड्सक सदस्य लॉर्ड रसेल रुक आ लॉर्ड क्रिश रावल, इस्कॉन बेंगलुरुक प्रमुख स्वामी मधु पंडित दास, आध्यात्मिक गुरु स्वामी ज्ञानानंद, मेदांता हॉस्पिटलक अध्यक्ष डॉ. नरेश त्रेहान, विश्व हिंदू परिषदक अध्यक्ष आलोक कुमार, बीएपीएसक साधु भद्रेश स्वामी आ पद्मश्री सत्यनारायण उनवल सहित अनेक विशिष्ट अतिथि सहभागिता कयलनि।

समारोहक दलनायक डॉ. चिन्मय पण्ड्या अतिथि सभके गायत्री मंत्र लिखल चादर, रुद्राक्ष माला, गंगाजली आ युग साहित्य भेंट कऽ सम्मानित कयलनि। एहि अवसर पर अनेक प्रशासनिक अधिकारीक संग देश-विदेशसँ आयल गायत्री साधक सभ उपस्थित छलाह। हजारों जगमगाइत दीपकक बीच लेल गेल सामूहिक संकल्प एहि जन्मशताब्दी महोत्सवके आध्यात्मिक जागरण, राष्ट्रीय चेतना आ विश्व बंधुत्वक प्रेरणादायी स्वरूप प्रदान कयलक।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *