आपसी संबंधक महत्वके आओर मजबूत करत ‘संस्कार’ धारावाहिक : के.सी. बोकाडिया

डीडी नेशनल पर सोमसँ शुक्रदिन राति 8 बजे होइत अछि प्रसारण, मुंबईमे मीडिया संग केक काटि मनौलनि सफलता

मुंबई । बड़का पर्दा पर कतेको यादगार फिल्मक माध्यमसँ दर्शकक मनोरंजन करबाक बाद दिग्गज फिल्म निर्माता-निर्देशक के.सी. बोकाडिया आब अपन पारिवारिक धारावाहिक ‘संस्कार’क माध्यमसँ टेलीविजन दर्शकक दिल जीत रहल छथि। धारावाहिकके भेटि रहल प्रेम आ सराहनाक बीच ओ मुंबईमे मीडिया प्रतिनिधि सभक संग केक काटि एकर सफलताक उत्सव मनौलनि आ अपन खुशी साझा कयलनि।

‘संस्कार’क प्रसारण डीडी नेशनल पर सोमसँ शुक्रदिन राति 8 बजे होइत अछि। पारिवारिक संबंध, भारतीय संस्कृति आ जीवन मूल्य पर आधारित ई धारावाहिक दर्शकक बीच अपन अलग पहचान बना रहल अछि।

बीएमबी प्रोडक्शंसक बैनर तर प्रस्तुत ‘संस्कार’ एकटा मल्टीस्टारर पारिवारिक ड्रामा अछि। एकर लेखन आ निर्देशन के.सी. बोकाडिया कयने छथि, जखन कि एकर निर्माता राजेश बोकाडिया आ के.सी. बोकाडिया छथि। धारावाहिकमे दर्शन जरीवाला, जरीना वहाब, अमन वर्मा, मुग्धा गोडसे, राकेश बेदी, पंकज बेरी, महेश ठाकुर, सुप्रिया कार्निक आ राजेश खेरा सहित तीन दर्जनसँ बेसी कलाकार अपन अभिनय प्रस्तुत कऽ रहल छथि।

एहि अवसर पर के.सी. बोकाडिया कहलनि, “आइयो लोक पुरान फिल्म आ गीत बेसी पसिन करैत छथि, कारण ओहिमे भारतीय परिवेश, संस्कृति आ संस्कारक झलक भेटैत अछि। धारावाहिक ‘संस्कार’ दर्शक सभके ओहि संस्कारक याद दियाबैत अछि। प्रत्येक एपिसोडक बाद देशक अलग-अलग राज्य, शहर आ गामसँ सैकड़ों फोन आ संदेश अबैत अछि। लोक ‘संस्कार’क संवाद, सिनेमैटोग्राफी, लोकेशन आ कथाक खूब प्रशंसा करैत छथि।”

मीडियाक संग धारावाहिकक सफलताक उत्सव मनबैत ओ आशा व्यक्त कयलनि जे ‘संस्कार’ दर्शकक बीच पारिवारिक प्रेम, सम्मान आ आपसी संबंधक महत्वके आओर मजबूत करत।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *