मंगलदीप प्रीमियम सुगंध श्रेणीक कयलक विस्तार, दू नव चारकोल-मुक्त अगरबत्ती लॉन्च

 

नई दिल्ली। पर्व-त्योहारक मौसमसँ पहिने देशक प्रमुख अगरबत्ती ब्रांडमे शामिल आईटीसी मंगलदीप अपन प्रीमियम सुगंध श्रेणीक विस्तार करैत दूटा नव चारकोल-मुक्त अगरबत्ती वेरिएंट लॉन्च कयने अछि। एहि नव उत्पादमे मंगलदीप टेम्पल सैंडल गोल्ड आ मंगलदीप सेंट कूल स्प्लैश शामिल अछि। दुनू उत्पाद उपभोक्ताक अलग-अलग सुगंध संबंधी पसंद आ जरूरतकेँ ध्यानमे राखि तैयार कयल गेल अछि।

कंपनीक अनुसार, टेम्पल सैंडल गोल्डक माध्यमसँ उपभोक्ताकेँ मंदिरमे प्रयुक्त चंदनक पारंपरिक आ समृद्ध सुगंधक अनुभव भेटत। दोसर दिस, सेंट कूल स्प्लैश रोजमर्राक वातावरणकेँ ताजगीसँ भरबाक लेल तैयार कयल गेल अछि। एहि दुनू नव उत्पादक माध्यमसँ मंगलदीप पारंपरिक आस्था आ आधुनिक जीवनशैलीक बीच सामंजस्य स्थापित करबाक प्रयास कयने अछि।

मंगलदीप टेम्पल सैंडल गोल्ड आ मंगलदीप सेंट कूल स्प्लैश आब देशभरिमे खुदरा दुकान आ मार्ट पर उपलब्ध अछि। प्रत्येक पैकेटमे 40 टा अगरबत्ती अछि आ एकर कीमत 150 टका निर्धारित कयल गेल अछि।

परंपरा आ आधुनिक पसंदक अनूठा संगम

नव उत्पादक लॉन्च पर प्रतिक्रिया दैत आईटीसी लिमिटेडक माचिस आ अगरबत्ती कारोबार प्रभागक मुख्य कार्यकारी अधिकारी रोहित डोगरा कहलनि जे आइ-काल्हि उपभोक्ता एहन सुगंध चाहैत छथि, जे केवल नीक महक धरि सीमित नहि रहय, बल्कि हुनकर जीवनक महत्वपूर्ण क्षणसभकेँ सेहो विशेष बना सकय।

ओ कहलनि जे टेम्पल सैंडल गोल्डक माध्यमसँ कंपनी मंदिरमे चंदनक पारंपरिक सुगंधक समृद्धि आ शांतिक अनुभव घर-घर धरि पहुँचाबय चाहैत अछि। ओतहि, कूल स्प्लैश रोजमर्राक स्थानसभ लेल ताजगीसँ भरल सुगंधक अनुभव प्रदान करबाक उद्देश्यसँ प्रस्तुत कयल गेल अछि।

डोगराक अनुसार, ई दुनू नव उत्पाद परंपरा आ आधुनिक जीवनशैलीक बीच तालमेल बनेबाक संग मंगलदीपक प्रीमियम उत्पाद पोर्टफोलियोक विस्तार करत।

ओ कहलनि जे पर्व-त्योहारक मौसम उपभोक्तासभसँ जुड़बाक एकटा महत्वपूर्ण अवसर होइत अछि। एहि समय एहन सुगंधक प्रासंगिकता बढ़ि जाइत अछि, जे लोकक सांस्कृतिक विरासत आ बदलैत पसंद दुनू संग मेल खाइत हो।

मंगलदीपक एहि नव पेशकशक संग कंपनी पारंपरिक चंदनक सुगंध पसंद करनिहार आ आधुनिक ताजगी चाहनिहार उपभोक्तासभ लेल प्रीमियम अगरबत्तीक दूटा नव विकल्प उपलब्ध करौने अछि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *