बुराडी मे कांग्रेस नेता तपन झा केलाह धरना-प्रदर्शन कें नेतृत्व

नई दिल्ली। दिल्ली मे कोरोना के कारणें हाल बेहाल अछि। दिल्ली सरकार आ केंद्र सरकार कहैत त बड किछु अछि, मुदा स्थिति मे अपेक्षित सुधार नहि भ रहल छैक। बुराडी विधानसभा मे दिल्ली प्रदेश पूर्वांचल कांग्रेस कमिटी कें महासचिव तपन कुमार झा के नेतृत्व मे कांग्रेसी कार्यकर्ता एकत्र भेलाह। ई सब दिल्ली सरकार आ केंद्र सरकारक नीति कें विरोध मे अपन धरना प्रदर्शन केलाह।

तपन कुमार झा कहलाह, कोरोना काल मे दिल्ली कें कि हाल छैक, ककरो सं नुकायल नहि अछि। आई माया गार्डन कें सोझां हम सभ दिल्ली प्रदेश काँग्रेस अध्यक्ष अनिल चैधरी आ दिल्ली प्रदेश पूर्वांचल काँग्रेस के चेयरमैन शिवजी सिंह कें आदेशानुसार कोरोना सन महामारी मे विफल रहल दिल्ली सरकार आ केंद्र सरकार के विरोध मे सांकेतिक धरना प्रदर्शन कए रहल छी। हमरा सभ कें अपन लोकवेदक चिंता अछि। हुनकर स्वास्थ्यक सदति चिंता रहैत अछि। ताहिं दुआरे हम सभ सोशल डिस्टेनिशंग कें पूरा ख्याल राखैत अपन घरक डयोढी पर पार्टी कार्यकर्ताक संग धरना दय रहल छी।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *