एयरटेलक पोस्टपेड प्लानमे जुड़ल Apple iCloud+, Apple TV आ Apple Arcade

 दिल्ली। भारतक प्रमुख टेलीकॉम सेवा प्रदाता कंपनी Bharti Airtel अपन पोस्टपेड ग्राहक सभ लेल नव सुविधा के घोषणा कएलक अछि। कंपनी ₹999 आ ताहिसँ ऊपरक फैमिली पोस्टपेड प्लानमे Apple कऽ नव विस्तारित iCloud+ केँ शामिल कएलक अछि। iCloud+क संग आब ग्राहक सभ केँ Apple TV आ Apple Arcade केर एक्सेस सेहो भेटत।

एयरटेलक अनुसार, एहि नव पेशकशक माध्यम सँ ग्राहक सभ केँ एक्कहि पोस्टपेड प्लानमे कनेक्टिविटी, क्लाउड स्टोरेज, एंटरटेनमेंट आ गेमिंग केर सुविधा भेटत। ई ऑफर ₹999 आ ताहिसँ ऊपरक फैमिली पोस्टपेड प्लान उपयोग करय वाला एयरटेल ग्राहक सभ लेल उपलब्ध अछि।

iCloud+ सँ डेटा स्टोरेज आ बैकअपक सुविधा

iCloud+ केर माध्यम सँ एयरटेल पोस्टपेड ग्राहक अपन फोटो, फाइल, पासवर्ड, कॉन्टैक्ट आ अन्य महत्वपूर्ण जानकारी केँ Apple डिवाइस सभ पर स्टोर, सिंक आ एक्सेस कऽ सकताह।

कंपनीक अनुसार, ग्राहकक डेटा केर सुरक्षित बैकअप सेहो लेल जा सकत। एहि सँ नव डिवाइस सेटअप करबाक समय डिजिटल कंटेंट आ जरूरी जानकारी केँ आसानी सँ एक्सेस करब संभव होयत।

Apple TV आ Apple Arcade केर सेहो भेटत एक्सेस

नव पेशकशमे Apple TV केर माध्यम सँ Apple कऽ प्रीमियम ओरिजिनल सीरीज आ फिल्म सभ देखबाक सुविधा भेटत। ओतहि Apple Arcade केर माध्यम सँ ग्राहक सभ केँ गेम्सक एकटा पैघ कैटलॉग धरि पहुँच भेटत।

कंपनीक अनुसार, Apple Arcade पर गेमिंगक दौरान विज्ञापन आ इन-ऐप खरीदारीक सुविधा नहि रहत।

₹999 फैमिली पोस्टपेड प्लानमे कईटा सुविधा

एयरटेलक ₹999 फैमिली पोस्टपेड प्लान तीन सदस्यक परिवार लेल उपलब्ध अछि। एहि प्लानमे Fastlane टेक्नोलॉजीक संग अनलिमिटेड डेटा, स्पैम प्रोटेक्शन आ विभिन्न एंटरटेनमेंट सब्सक्रिप्शनक सुविधा शामिल अछि।

आब Apple कऽ iCloud+, Apple TV आ Apple Arcade केँ जोड़लाक बाद एहि प्लानमे क्लाउड स्टोरेज, एंटरटेनमेंट आ गेमिंगक सुविधा सेहो शामिल भऽ गेल अछि। कंपनीक कहब अछि जे एहि सँ परिवार सभ केँ एक्कहि पोस्टपेड प्लानक माध्यम सँ बेसी डिजिटल सेवा भेटत।

Airtel App अथवा स्टोर सँ कऽ सकैत छी अपग्रेड

ग्राहक एहि प्लान सभमे अपग्रेड करबाक लेल Airtel App केर उपयोग कऽ सकैत छथि। एकर अतिरिक्त नजदीकी एयरटेल स्टोर पर जा कऽ सेहो प्लान अपग्रेड कराओल जा सकैत अछि।

अमित त्रिपाठी कहलनि—ग्राहकक अनुभव केँ बनायब सरल

Bharti Airtel केर Director, Market Ops अमित त्रिपाठी कहलनि जे कंपनी लगातार एहन तरीका पर काज कऽ रहल अछि, जाहि सँ ग्राहकक जीवन सरल बनय आ ओकरा सभ केँ अलग तरहक मूल्य भेटय।

ओ कहलनि जे एयरटेलक फैमिली पोस्टपेड प्लान कनेक्टिविटी, एंटरटेनमेंट आ डिजिटल अनुभव केँ एक्कहि प्लानमे उपलब्ध करयबाक सोच पर आधारित अछि। iCloud+, Apple TV आ Apple Arcade केँ फैमिली पोस्टपेड प्लानमे जोड़ि कंपनी एहि पेशकश केँ आरो विस्तार देलक अछि, जाहि सँ ग्राहक सभ केँ एक्कहि प्लानमे बेसी सुविधा आ बेहतर डिजिटल अनुभव भेटि सकय।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *