पटना, खगड़िया, बेगूसराय कोरोना स सर्वाधिक प्रभावित

पूजा मिश्रा

पटना। देश मे कोरोना के स्थिति विकराल भेल जा रहल अछि, बिहार मे सेहो कोरोना मरीज के संख्या उत्तरोतर बढ़ल जा रहल अछि। बिहारक छह जिला मे कोरोना मरीजक संख्या के ३०% स बेसी अछि, जाहि मे पटना, खगड़िया आ बेगूसराय के सबस आगां अछि।
पटना, खगड़िया, बेगूसराय, भागलपुर, रोहतास आ मधुबनी मे कोरोना संक्रमित के संख्या सबस बेसी अछि। अहि छह जिला मे राज्यक कुल कोरोना मरीज के एक-चौथाई स बेसी अछि। खगड़िया आ पटना मे कोरोना पॉजिटिव के संख्या लगातार बढ़ि रहल अछि।
राज्य मे सबस बेसी संक्रमित २८२ पटना जिला मे अछि। २८० संक्रमित के संग खगड़िया दोसर आ २६२ संक्रमित मरीज के संग बेगूसराय तेसर स्थान पर अछि। अकर अलावा भागलपुर मे २५१, रोहतास मे २३८ संक्रमित मरीज अछि। मधुबनी छठम स्थान पर अछि। मधुबनी के कलक्टर सेहो कोरोना के चपेट मे आबि गेल छलाह मुदा बाद मे हुनक रिपोर्ट निगेटिव आबि गेलन्हि। एक समय मे मुंगेर मे कोरोना केस बहुत तेजी स बढ़ल छल मुदा आब ओतय स्थिति २०८ संख्या के संग नियंत्रण मे आबि रहल अछि।
निक बात इहो अछि जे जाहि छह जिला मे कोरोना के सबस अधिक मामला अछि ओहि छह जिला मे ठीक होय बला के संख्या सेहो सबस बेसी अछि। अहि छह जिला मे ठीक होय बला ३२.५ % मरीज छथि। राज्य मे अखनधरि २५४२ मरीज ठीक भेलाह हं जाहि मे १९५ पटना के छथि। रोहतास मे १८६, मुंगेर मे १३३, भागलपुर मे १२९, बेगूसराय मे ११७, आ खगड़िया मे ११० मरीज ठीक भ चुकल छथि।
कोरोना स बिहार मे अखनधरि ३२ लोक के मृत्यु भ चुकल छनि, जाहि मे बेगूसराय आ खगड़िया मे तीन-तीन व्यक्ति की मृत्यु भ चुकल अछि। पटना, वैशाली,, सीतामढ़ी आ सिवान मे दू-दू आ जमुई, जहानाबाद, मधेपुरा, मुंगेर, नालंदा, नवादा, पूर्वी चम्पारण, रोहतास, समस्तीपुर, शिवहर आ सारण मे एक-एक व्यक्ति के मृत्यु भेलन्हि ह।
देशक अन्य पैघ जनसंख्या आ क्षेत्र बला राज्य मे अखनधरि कोरोना मरीज आ मृतक के संख्या अपेक्षाकृत कम अछि, जे किछु संतोष प्रदान करैत अछि।

One thought on “पटना, खगड़िया, बेगूसराय कोरोना स सर्वाधिक प्रभावित

  1. मैथिली टाइम्स दिनप्रतिदिन निखरी रहल अछी।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *