डॉ. विभय कुमार झा केँ फेर भेटल लोजपा रामविलासक प्रवक्ताक जिम्मेदारी

पटना। लोक जनशक्ति पार्टी (रामविलास) डॉ. विभय कुमार झा केँ एक बेर फेर पार्टीक प्रवक्ताक जिम्मेदारी देने अछि। नव जिम्मेदारी भेटलाक बाद डॉ. विभय कुमार झा पार्टीक राष्ट्रीय अध्यक्ष सह केंद्रीय मंत्री श्री चिराग पासवान आ केंद्रीय समितिक प्रति आभार व्यक्त कयने छथि।

डॉ. विभय कुमार झा वर्तमानमे सेहो लोजपा (रामविलास) युवा मोर्चाक राष्ट्रीय उपाध्यक्षक जिम्मेदारी सम्हारि रहल छथि। आब हुनका प्रवक्ताक जिम्मेदारी सेहो देल गेल अछि। एहि तरहें संगठनात्मक दायित्वक संग पार्टीक पक्षकेँ सार्वजनिक रूपसँ मजबूतीसँ रखबाक महत्वपूर्ण भूमिका सेहो हुनका सम्हारय पड़त।

एकटा सवालक जवाबमे लोजपा नेता डॉ. झा कहलनि जे युवा मोर्चाक राष्ट्रीय अध्यक्ष श्री प्रणव कुमार आ पार्टीक राष्ट्रीय अध्यक्ष सह केंद्रीय मंत्री श्री चिराग पासवानक विगत किछु वर्षमे जेहन स्नेह आ सहयोग हुनका भेटैत रहल अछि, से समाजक लेल नव ऊर्जा आ उत्साहक संग काज करबाक हौसला दैत अछि।

ओ कहलनि जे एक बेर फेर प्रवक्ताक जिम्मेदारी देल गेलाक बाद पार्टीक संगठनात्मक कार्यक संग-संग पार्टीक विचार, नीति आ नेतृत्वक पक्षकेँ सार्वजनिक मंच पर प्रभावी ढंगसँ रखबाक जिम्मेदारी सेहो हुनकर रहत।

लोजपा नेता डॉ. विभय कुमार झा मिथिला सहित बिहारसँ जुड़ल विभिन्न सामाजिक, राजनीतिक आ जनसरोकारक मुद्दा पर लगातार सक्रिय रहल छथि। ओ विभिन्न मंचक माध्यमसँ क्षेत्रक समस्या आ जनहितसँ जुड़ल विषयकेँ प्रमुखतासँ उठबैत रहल छथि।

प्रवक्ताक जिम्मेदारी फेर भेटलाक बाद डॉ. विभय कुमार झाने पार्टी नेतृत्वक प्रति आभार व्यक्त करैत कहलनि जे ओ पार्टीक विचारधारा, नीति आ नेतृत्वक संदेशकेँ मजबूतीसँ जनताधरि पहुंचेबाक लेल पूरा प्रतिबद्धताक संग काज करताह।

पार्टीमे युवा मोर्चाक राष्ट्रीय उपाध्यक्षक संग प्रवक्ताक दोहरी जिम्मेदारी भेटनाइ डॉ. विभय कुमार झाक संगठनात्मक अनुभव, सक्रियता आ नेतृत्वक विश्वासक रूपमे देखल जा रहल अछि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *