दू लाख के करीब पहुंचल कोरोनाक संख्या

नई दिल्ली। कोराना सं सगरो संसरा त्राहिमाम कय रहल अछि। भारत मे पिछला 24 घंटा मे कोरोना वायरस सं संक्रमण के 8,171 नबका मामले सोझां आयल। आई मंगल दिन भोरे भोर कुल संक्रमितक संख्या बढ़िकय 1,98,706 भ गेल। मानल जा रहल अछि जे आई देर राति कहीं दू लाख नहि पार कय जाए। एहि खतरनाक वायरस सं 204 आरो लोकक मौत भ चुकल छन्हि। अब देश मे मृतकक आंकड़ा बढ़िकय 5,598 पहुंच गेल।

केंद्रीय स्वास्थ्य मंत्रालय के अनुसार देश मे एखन धरि 97,581 मरीजक इलाज चलि रहल अछि। सरकारी आंकडा कहैत अछि जे एखन धरि 95,526 संक्रमित लोक स्वस्थ भ चुकल छथि आ एकटा व्यक्ति देश सं बाहर सेहो जा चुकल अछि। मंत्रालय के अधिकारी के कहब छन्हि जे करीब 48.07 फीसदी मरीज स्वस्थ भेलाह अछि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *