दिल्ली भाजपा सं विदा भेला मनोज तिवारी, आदेश गुप्ता बनलाह प्रदेश अध्यक्ष

नई दिल्ली। देशक राजधानी दिल्ली मे आई एकटा नव राजनीतिक घटना घटल। सांसद मनोज तिवारी के प्रदेश भाजपा अध्यक्ष के पद सं हटाओल गेल आ दिल्ली नगर निगम के पूर्व महापौर आदेश गुप्ता कें प्रदेश भाजपा अध्यक्ष के रूप मे अधिसूचना जारी भेल। ओना ई अंदेशा बहुत दिन सं रहय जे मनोज तिवारी एहि पद पर लंबा नहि रहताह। मानल जाइत अछि जे एहि नियुक्ति मे दिल्ली प्रदेश भाजपा के पूर्व अध्यक्ष आ पूर्व केंद्रीय राज्यमंत्री विजय गोयल के खूब गप्प मानल गेल।

असल मे, दू बरखक बाद दिल्ली मे नगर निगम के चुनाव सेहो होमय वाला अछि। ओहि मादे ई नियुक्ति कें कएल गेल अछि। आब प्रदेश के सभ मोर्चा आ जिला कें संगठनात्मक स्तर पर सेहो जल्दीये बदलाव देखल जायत। कहल जाइत अछि जे दिल्ली विधानसभा चुनावक बादे सं मनोज तिवारी कें कार्य प्रणाली सं पार्टी कें शीर्ष नेतृत्व ओतेक खुश नहि रहय। ई बदलाव मार्च कें अतिम सप्ताह मे भ सकैत छल। लेकिन, कोरोना कें कारण सभ किछु बंद भ गेल रहय। कहल जाइत अछि जे आदेश गुप्ता कें प्रदेश अध्यक्ष बनलाह सं भाजपा के परंपरागत वैश्य वोट बैंक सेहो मजगूत होयत। एखन आदेश गुप्ता दिल्ली के वेस्ट पटेल नगर सं निगम पार्षद सेहो छथि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *