पटना: बिहारक चर्चित बांकीपुर विधानसभा उपचुनावक मतगणनाक बीच जन सुराजक उम्मीदवार प्रशांत किशोर लगातार बढ़त बनौने छथि। मतगणनाक दौरान ओ काउंटिंग सेंटर पहुँचलाह आ मीडिया सँ बातचीत करैत कहलनि जे ई जीत हुनकर नहि, बल्कि बांकीपुरक जनताक जीत अछि। एहि उपचुनावमे भाजपा क नीरज सिन्हा, जन सुराजक प्रशांत किशोर, राजदक रेखा गुप्ता सहित कुल 25 उम्मीदवारक राजनीतिक भविष्य दांव पर लागल अछि।
मीडियासँ बातचीतमे प्रशांत किशोर कहलनि, “ई बांकीपुरक जनताक जीत अछि। जनताक स्पष्ट संदेश अछि जे बिहारक मुख्यमंत्री एकटा नीक, ईमानदार आ योग्य व्यक्ति केँ बनायल जाए।”
ओ आगाँ कहलनि जे जे मतदाता हुनका पर भरोसा कएलनि, हुनका सभक प्रति ओ हृदयसँ आभार व्यक्त करैत छथि। संगहि कहलनि, “जिनका हमरा वोट नहि देलनि, हुनकरो विश्वास जीतबाक लेल हम आरो मेहनत आ प्रयास करब।”
30 बरखक गढ़ 30 दिनमे ढहि गेल: प्रशांत किशोर
बांकीपुरमे पहिल राउंडसँ बढ़त बनौने जन सुराजक संस्थापक आ उम्मीदवार प्रशांत किशोर अपन पहिल प्रतिक्रिया दैत कहलनि, “एतय भाजपा केर 30 बरखक गढ़ मात्र 30 दिनमे ढहि गेल। ई चुनाव केवल विधायक चुनबाक नहि छल, बल्कि बिहारक भविष्यक दिशा तय करबाक चुनाव छल।”
ओ कहलनि जे सम्राट चौधरी सँ हुनकर कोनो व्यक्तिगत लड़ाइ नहि अछि। एहि चुनावक माध्यमसँ बिहारक जनताए भाजपा नेतृत्व केँ संदेश देने अछि जे बिहार लेल एकटा चरित्रवान, सक्षम आ योग्य मुख्यमंत्री चुनल जाए।
प्रशांत किशोर प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी आ केंद्रीय गृहमंत्री अमित शाह सँ अपील करैत कहलनि, “जतेक चिंता अहाँ गुजरातक करैत छी, ओतेक बिहारक सेहो करू, जाहिसँ राज्यसँ पलायन कम होअय आ बेरोजगारी घटए।”
ओ आगाँ कहलनि, “हमरा विधायक बनलासँ बांकीपुर बेंगलुरु नहि बनत, मुदा दू-तीन महीनाक भीतर बदलाव जरूर देखए लेल भेटत।”
हारक बाद भाजपा जनादेश स्वीकार कएलक
उपचुनावमे भाजपा पिछड़लाक बाद पार्टी नेतृत्वक प्रतिक्रिया सेहो सामने आएल अछि। भाजपा प्रदेश अध्यक्ष संजय सरावगी कहलनि जे पार्टी जनताक निर्णयक सम्मान करैत अछि।
ओ कहलनि, “हम सभ सिर झुकाकऽ जनताक आदेश स्वीकार करैत छी।”
वहीं बिहारक उपमुख्यमंत्री विजय सिन्हा कहलनि जे भाजपा लोकतांत्रिक मूल्य सभमे विश्वास रखैत अछि आ चुनाव परिणामक सम्मान करैत अछि।
ओ कहलनि, “हम विपक्ष जकाँ ईवीएम पर प्रश्न नहि उठबैत छी। जनताक निर्णय सर्वोपरि अछि। पार्टी एहि हारक समीक्षा करत आ आगूक रणनीति तय करत।”
बिहारक राजनीति लेल महत्वपूर्ण मानल जा रहल अछि परिणाम
बांकीपुर उपचुनावक परिणाम केँ बिहारक राजनीति लेल अत्यंत महत्वपूर्ण मानल जा रहल अछि। यदि अंतिम परिणाममे प्रशांत किशोर अपन बढ़त कायम रखैत छथि, तँ एहि केँ जन सुराज लेल एकटा ऐतिहासिक राजनीतिक सफलता मानल जाएत। दोसर दिस भाजपा लेल ई परिणाम आत्ममंथन आ संगठनात्मक समीक्षा करबाक अवसर बनि सकैत अछि।
