नई दिल्ली। प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी केर विरुद्ध कथित रूपसँ आपत्तिजनक टिप्पणी करबाक बाद सोशल मीडियामे चर्चामे एल रुचिका सिंह सार्वजनिक रूपसँ माफी मंगली छथि। हुनकर कहब अछि जे अपन कृत्य पर हुनका गहिर पछतावा अछि आ ओ पूरा देशसँ क्षमा याचना करैत छथि।
एकटा वीडियो संदेशमे रुचिका सिंह कहलनि, “हम पूरा देशसँ माफी मंगैत छी। हमरा एतेक लाज लगैत अछि जे हम ककरो आँखिमे आँखि मिलाकऽ बात सेहो नहि कऽ सकैत छी। हम सभसँ हाथ जोड़िकऽ क्षमा याचना करैत छी। कृपया हमरा माफ कऽ दिअ।”
हुनका आगाँ कहलनि जे ई हुनकर “पहिल आ आखिरी गलती” छल आ भविष्य मे ओ ने एहन कोनो टिप्पणी करती आ ने सोशल मीडियापर एहन कोनो पोस्ट साझा करती।
सोशल मीडियापर चर्चा जारी
रुचिका सिंहक माफी मांगलाक बाद सोशल मीडियापर एहि मुद्दा केँ लऽ व्यापक चर्चा चलि रहल अछि। कतेको उपयोगकर्ता हुनकर माफी मांगबाक कदम पर अपन-अपन प्रतिक्रिया दऽ रहल छथि, तँ दोसर लोकनि अभिव्यक्तिक जिम्मेदारी आ सोशल मीडियापर संयमसँ व्यवहार करबाक आवश्यकता पर सेहो जोर दऽ रहल छथि।
जिम्मेदार व्यवहारक अपील
एहि घटनाक्रमक बीच सोशल मीडियापर ई संदेश सेहो व्यापक रूपसँ साझा कएल जा रहल अछि जे कोनो आंदोलन, राजनीतिक बहस अथवा सार्वजनिक अभियानमे भाग लैत समय युवासभकेँ अपन शब्द आ कर्मक प्रति जिम्मेदार रहबाक चाही। कतेको लोकनिक मानब अछि जे सोशल मीडियापर कएल गेल पोस्ट वा टिप्पणी व्यक्तिक भविष्य पर प्रभाव डालि सकैत अछि। एहि लेल कोनो सामग्री साझा करबाक पहिने ओकर संभावित परिणाम पर अवश्य विचार करबाक चाही।
