राहुल गांधी के बयान पर लोकसभा में गरमायल माहौल, ‘इडियट’ आ ‘अंधभक्त’ शब्द पर बीजेपी उठौलक आपत्ति

नई दिल्ली: लोकसभा में विपक्षक नेता राहुल गांधी के बयान के बाद बुधदिन सदन में खूब हंगामा भेल। राहुल गांधी छात्र सभक जारी विरोध प्रदर्शनक मुद्दा उठबैत कहलनि जे ई आंदोलन में ने हिंसा अछि आ ने नफरत, बल्कि ई देशक युवा आ आबय वाला पीढ़ीक भावना के स्पष्ट अभिव्यक्ति अछि।

राहुल गांधी कहलनि जे छात्र सभक विरोध प्रदर्शन देखिकऽ हुनका देशक भविष्य लेल भरोसा आ उत्साह भेटल अछि। हुनकर कहब छल जे सड़क पर युवासभ जे भावना व्यक्त कय रहल छथि, ओकर सम्मान सभ राजनीतिक दलकेँ करबाक चाही, जाहिमे बीजेपीक नेता सेहो शामिल छथि।

राहुल गांधी कहलनि, “जँ बीजेपीक हमर मित्र अपन बच्चासभ सँ जा कऽ पूछत जे हुनकर भाई-बहिन जे कऽ रहल छथि, ओकर बारे में ओ सभ की सोचैत छथि, तऽ हुनका अपन बच्चासभक समर्थन सेहो भेटत।” हुनका अनुसार लोकतंत्र में युवासभक आवाज सुनब आ हुनकर भावना बुझब जरूरी अछि।

‘इडियट’ शब्दक प्रयोग पर सदन में विवाद

अपन भाषणक दौरान राहुल गांधी छात्रक परिभाषा दैत एक युवा महिलाक बातक उल्लेख केलनि। ओ कहलनि जे ओ महिला हुनका कहलनि छल कि “मूर्ख (Idiots) लोक युवा सभक बात नहि सुनैत अछि।”

राहुल गांधी द्वारा ई शब्दक प्रयोग केलाक बाद सत्ता पक्षक सांसद विरोध दर्ज करौलनि। बीजेपी सांसदसभ सदन में एहन शब्दक प्रयोग पर आपत्ति जतौलनि। लोकसभा अध्यक्ष ओम बिरला राहुल गांधी सँ विषय पर केंद्रित रहबाक आग्रह केलनि।

हंगामाक बीच राहुल गांधी सफाई दैत कहलनि जे ओ केवल छात्रक सोच आ परिभाषा स्पष्ट कऽ रहल छलाह आ कोनो व्यक्ति विशेष लेल ई शब्दक प्रयोग नहि केने छथि।

किरेन रिजिजू आ बीजेपी सांसदसभ जतौलनि आपत्ति

केंद्रीय संसदीय कार्य मंत्री किरेन रिजिजू सहित सत्ता पक्षक सदस्य राहुल गांधी द्वारा ‘इडियट’ आ ‘अंधभक्त’ जकां शब्दक प्रयोग पर आपत्ति जतौलनि। हुनकर कहब छल जे संसद जेकाँ गरिमामय मंच पर भाषाक मर्यादा बनल रहबाक चाही।

राहुल गांधी जवाब दैत कहलनि जे हुनकर टिप्पणी सरकार वा कोनो विशेष सांसद लेल नहि छल। ओ लोकसभा अध्यक्ष सँ कहलनि जे जँ ई शब्द अनुचित मानल जाइत अछि तऽ एकरा रिकॉर्ड सँ हटाओल जा सकैत अछि।

राहुल गांधी देलनि सफाई

राहुल गांधी कहलनि जे ‘इडियट’ शब्दक प्रयोग ओ कोनो सांसद अथवा व्यक्ति विशेष लेल नहि केने छलाह। हुनकर कहब छल जे कोनो शब्द तखने असंसदीय मानल जा सकैत अछि, जखन ओकर प्रयोग सदनक कोनो सदस्यकेँ संबोधित करबाक लेल कएल जाए।

हंगामाक बीच राहुल गांधी कहलनि जे जँ सत्ता पक्षक सदस्य सभकेँ बोलबाक अवसर देबाक अछि तऽ ओ अपन बात रोकि कऽ बैसि सकैत छथि।

युवाक आवाजक सम्मान जरूरी: राहुल गांधी

राहुल गांधी कहलनि जे युवासभक नेतृत्व में भऽ रहल आंदोलनकेँ बुझबाक जरूरत अछि। देशक युवा पीढ़ीक आकांक्षा आ चिंता के सम्मान देब सभ राजनीतिक दलक जिम्मेदारी अछि।

ओतहि बीजेपी राहुल गांधी के बयान आ भाषाक तरीका पर सवाल उठबैत कहलनि जे संसदक गरिमा बनौने रखब सभ सदस्यक दायित्व अछि। एहि मुद्दा पर लोकसभा में सत्ता पक्ष आ विपक्षक बीच काफी देर धरि बहस आ हंगामा चलैत रहल।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *