हांगझोउ (चीन): चीनक हांगझोउमे आयोजित आईएसएसएफ राइफल/पिस्टल/शॉटगन विश्व कपमे भारतीय निशानेबाजसभ फेर एकबेर शानदार प्रदर्शन करैत महिलाक 25 मीटर पिस्टल स्पर्धामे दू पदक अपन नाम कएलनि। ईशा सिंह स्वर्ण पदक जीतलथि, जखन कि मनु भाकर कांस्य पदक हासिल कऽ भारतक पदक तालिकामे आरो सफलता जोड़लनि।
फाइनल मुकाबलामे ईशा सिंह शानदार निशानेबाजी करैत 40 हिटक संग स्वर्ण पदक पर कब्जा जमेलथि। ओतहि पेरिस 2024क दू बेरक ओलंपिक पदक विजेता मनु भाकर कड़ा मुकाबलाक बीच महत्वपूर्ण शूट-ऑफ जीतलनि आ 28 हिटक संग कांस्य पदक अपन नाम कएलनि।
क्वालिफिकेशन दौरसँ भारतीय टीमक दबदबा स्पष्ट देखाएल। मनु भाकर 586-20x अंकक संग शीर्ष स्थान पर रहलथि, जखन कि ईशा सिंह 585-18x अंकक संग दोसर स्थान पर रहैत आसानीसँ आठ निशानेबाजक फाइनलमे प्रवेश कएलनि। पूर्व एशियाई खेल स्वर्ण पदक विजेता राही सरनोबत 582-16x अंक प्राप्त कएलनि। रैंकिंग प्वाइंट्स ओनली (RPO) श्रेणीमे खेलैत सिमरनप्रीत कौर बराड़ 576-20x आ अभिद्न्या अशोक पाटिल 573-16x अंकक संग संतोषजनक प्रदर्शन कएलनि।
स्वर्ण पदक जीतलाक बाद ईशा सिंह कहलनि जे म्यूनिख विश्व कपमे विश्व रिकॉर्ड बनेबाक बाद एहि प्रतियोगितामे मानसिक दबाव बेसी छल। हुनकर कहब छल, “पहिनेक उपलब्धिक कारण एहि मुकाबलामे बहुत दबाव छल। जतेक नीक प्रदर्शन करैत छी, ओतेक अपेक्षा बढ़ैत अछि। खुशी अछि जे हम एहि दबाव पर विजय प्राप्त कऽ अपन सर्वश्रेष्ठ प्रदर्शन कऽ सकलहुँ।”
हुनका हांगझोउसँ अपन विशेष जुड़ावक सेहो चर्चा कएलनि। ईशा कहलनि जे एशियाई खेलमे एतय चारि पदक जीतलाक स्मृति हुनका फेर एतय खेलबाक लेल उत्साहित कएलक। रेंज, प्रकाश व्यवस्था आ फाइनल हॉलसँ परिचित होयबाक लाभ सेहो हुनका भेटल।
कांस्य पदक विजेता मनु भाकर कहलनि जे ई पदक आगाँ आबयवला महत्वपूर्ण प्रतियोगितासभ लेल आत्मविश्वास बढ़ेबामे महत्वपूर्ण भूमिका निभाएत। हुनकर अनुसार, “ई पदक हमर तैयारीक सही दिशा देखबैत अछि। विश्व चैंपियनशिप आ एशियाई खेल जेकाँ पैघ प्रतियोगितासभसँ पहिने एहन अनुभव बहुत उपयोगी साबित होएत।”
21 वर्षीय हैदराबाद निवासी ईशा सिंह लेल ई स्वर्ण पदक हुनकर करियरक एकटा आरो ऐतिहासिक उपलब्धि अछि। एहि सत्रमे म्यूनिख विश्व कपमे हुनका फाइनलमे 43 हिटक संग सीनियर आ जूनियर दुनू वर्गक विश्व रिकॉर्ड बना इतिहास रचलनि। पेरिस 2024 ओलंपियन आ अर्जुन पुरस्कारसँ सम्मानित ईशा लगातार विश्वस्तर पर भारतक नाम रोशन कऽ रहल छथि।
ओतहि मनु भाकर फेर एकबेर अंतरराष्ट्रीय मंच पर अपन निरंतर उत्कृष्टता सिद्ध कएलनि। पेरिस 2024 ओलंपिकमे ओ स्वतंत्र भारतक पहिल एहन खिलाड़ी बनलथि, जे एक्के ओलंपिक संस्करणमे दू पदक जीतिकऽ इतिहास रचलनि। हांगझोउ विश्व कपक ई कांस्य पदक हुनकर शानदार करियरमे एकटा आरो महत्वपूर्ण उपलब्धिक रूपमे जुड़ि गेल अछि।
