पटना। लोक जनशक्ति पार्टी (रामविलास)क युवा राष्ट्रीय उपाध्यक्ष आ प्रवक्ता डॉ. विभय कुमार झा कहलनि जे युवासभक भविष्य सँ खिलवाड़ करनिहारसभक विरुद्ध आब कड़ा कार्रवाई करबाक समय आबि गेल अछि। हुनकर कहब छल जे प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदीक नेतृत्वमे केंद्र सरकार परीक्षा प्रणालीकेँ बेसी पारदर्शी, निष्पक्ष आ भरोसायोग्य बनेबाक दिशामे लगातार ठोस कदम उठा रहल अछि।
डॉ. विभय कुमार झा कहलनि जे प्रस्तावित एंटी-पेपर लीक बिल परीक्षा प्रणालीमे सुधार करबाक दिशामे एक महत्वपूर्ण पहल अछि। एहि कानूनक लागू होएला पर पेपर लीक सँ जुड़ल सभ मामला मे दोषीसभक विरुद्ध कठोर दंडक प्रावधान रहत, जाहिसँ भविष्यमे एहन घटनापर प्रभावी रोक लगाओल जा सकत।
ओ कहलनि जे परीक्षा सँ संबंधित मामला मे त्वरित न्याय सुनिश्चित करबाक लेल फास्ट ट्रैक कोर्ट गठित कएल जाएत। एकर अतिरिक्त संबंधित विभाग आ एजेंसीसभकेँ एहन मामला मे तत्काल आ कड़ा कार्रवाई करबाक निर्देश देल जाएत, जाहिसँ दोषीसभकेँ शीघ्र सजा भेटय आ अभ्यर्थीसभक परीक्षा प्रणाली पर भरोसा आओर मजबूत होए।
डॉ. झा कहलनि जे सोमवारकेँ एंटी-पेपर लीक बिल संसदमे प्रस्तुत कएल जाएत। हुनका आशा अछि जे एहि महत्वपूर्ण विधेयक पर राजनीति सँ ऊपर उठिकऽ सभ दल सहयोग करत।
हुनकर कहब छल, “हम आशा करैत छी जे विपक्ष सेहो एहि विधेयकक समर्थन करत, किएक तँ ई कोनो एक दलक विषय नहि, बल्कि देशक करोड़ों छात्र-युवा सभक भविष्य सँ जुड़ल विषय अछि। परीक्षा प्रणालीक शुचिता बनौने राखब हम सभक सामूहिक जिम्मेदारी अछि।”
डॉ. विभय कुमार झा विश्वास व्यक्त कयलनि जे एहि विधेयकक लागू होएला सँ परीक्षा प्रणाली आओर बेसी सुरक्षित, पारदर्शी आ जवाबदेह बनत तथा प्रतिभाशाली विद्यार्थीसभकेँ निष्पक्ष अवसर उपलब्ध होएत।
