ग्लासगो कॉमनवेल्थ गेम्स 2026: झंडू कुमार भारतक लेल जीतलनि पहिल कांस्य पदक, प्रधानमंत्री मोदी देलनि शुभकामना

ग्लासगो। ग्लासगोमे आयोजित कॉमनवेल्थ गेम्स 2026 मे भारत अपन पदक खाताक शुरुआत कए देलक। पुरुष हेवीवेट पैरा पावरलिफ्टिंग स्पर्धामे बिहारक नालंदा जिला निवासी झंडू कुमार शानदार प्रदर्शन करैत कांस्य पदक अपन नाम कएलनि। हुनकर ई उपलब्धि पर देशभरि मे खुशीक माहौल अछि आ खेल जगत एकरा भारतीय पैरा खेलक लेल महत्वपूर्ण सफलता मानि रहल अछि।

फाइनल मुकाबलामे झंडू कुमार अपन दोसर प्रयासमे 190 किलोग्राम भार सफलतापूर्वक उठौलनि आ 130.9 अंक हासिल कए पोडियम पर स्थान सुनिश्चित कएलनि। पहिल प्रयासमे ओ 181 किलोग्राम भार उठौने छलथि। तेसर प्रयासमे 196 किलोग्राम भार उठाबयक कोशिश कएलनि, जे सफल भऽ जाइत तऽ बर्मिंघम 2022 कॉमनवेल्थ गेम्सक रिकॉर्ड सेहो टूटि सकैत छल, मुदा ओ एहि प्रयासमे सफल नहि भऽ सकलथि।

प्रधानमंत्री मोदी देलनि बधाई

प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी सोशल मीडिया पर झंडू कुमार केँ बधाई दैत कहलनि जे हुनकर उपलब्धि सम्पूर्ण देशक लेल गौरवक विषय अछि। प्रधानमंत्री लिखलनि जे ई सफलता हुनकर अद्भुत शक्ति, अटल संकल्प आ वर्षौंक अनुशासित मेहनतिक परिणाम अछि। हुनकर अनुसार, झंडू कुमार अंतरराष्ट्रीय मंच पर भारतक सम्मान बढ़ौलनि छथि आ हुनकर संघर्ष लाखौं युवा लेल प्रेरणाक स्रोत बनत।

लाइटवेट स्पर्धामे पदकसँ वंचित रहल भारत

एकर पूर्व लाइटवेट पैरा पावरलिफ्टिंग स्पर्धामे भारतीय खिलाड़ी पदक जीतयमे सफल नहि भऽ सकलथि। पुरुष लाइटवेट फाइनलमे अशोक मलिक अपन व्यक्तिगत सर्वश्रेष्ठ 200 किलोग्राम भार उठौने छलथि, मुदा ओ चौठम स्थान पर रहलथि। परमजीत कुमार सातम स्थान पर रहलथि।

महिला वर्गमे जसप्रीत कौर छठम, सुमन देवी सातम स्थान पर रहलथि, जखनकि कस्तूरी राजामणि हेवीवेट फाइनलमे कोनो वैध प्रयास दर्ज नहि करा सकलथि।

संघर्षसँ सफलता धरि प्रेरणादायक यात्रा

झंडू कुमारक सफलता हुनकर कठिन संघर्षक प्रेरणादायक कहानी सेहो कहैत अछि। बचपनमे पोलियो सँ प्रभावित होएबाक बावजूद ओ हिम्मत नहि हारलथि। आर्थिक चुनौतीक बीच परिवारक सहयोग करैत मेहनत, लगन आ समर्पणक बल पर पैरा पावरलिफ्टिंगमे राष्ट्रीय आ अंतरराष्ट्रीय स्तर पर अपन अलग पहचान बनौलनि।

झंडू कुमारक ई कांस्य पदक केवल कॉमनवेल्थ गेम्स 2026 मे भारतक पहिल पदक नहि, बल्कि भारतीय पैरा खेलक बढ़ैत सामर्थ्य, आत्मविश्वास आ वैश्विक मंच पर मजबूत उपस्थितिक प्रतीक सेहो अछि। एहि उपलब्धिसँ आब आगामी स्पर्धासभमे भारतीय खिलाड़ीसभ सँ आरो पदकक उम्मीद बढ़ि गेल अछि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *