पटना। बाँकीपुर विधानसभा उपचुनाव लेल 30 जुलाई केँ मतदान होयत। नामांकनक अंतिम दिन सोमदिन भारतीय जनता पार्टी (भाजपा)क उम्मीदवार नीरज सिन्हा आ जन सुराजक प्रत्याशी प्रशांत किशोर अपन-अपन समर्थकसभक संग शक्ति प्रदर्शन करैत नामांकन दाखिल केलनि। एहि दौरान दुनू दलक रोड शोसँ पटनाक सड़कसभ पर चुनावी माहौल काफी गरमा गेल।
रोड शो केर दौरान एकटा समय एहन सेहो एल, जखन भाजपा आ जन सुराजक कार्यकर्ता आमने-सामने भऽ गेलाह। दुनू पक्षक समर्थक अपन-अपन उम्मीदवारक समर्थनमे जोरदार नारेबाजी करैत रहलाह। हालांकि स्थिति नियंत्रणमे रहल, मुदा भारी भीड़ जुटलाक कारण कतेको स्थान पर यातायात प्रभावित भेल आ जामक स्थिति उत्पन्न भऽ गेल।
भाजपा उम्मीदवार नीरज सिन्हा नामांकनसँ पहिने पार्टी कार्यालयसँ फूलसँ सजल रथ पर सवार भऽ रोड शो शुरू केलनि। हुनकासँ संग पार्टीक अनेक वरिष्ठ नेता आ पैघ संख्यामे कार्यकर्ता मौजूद छलाह। एकर पहिने ओ पंचमुखी हनुमान मंदिरमे पूजा-अर्चना केलनि आ नवीन सिन्हा स्मृति पार्क पहुँचि दिवंगत नेता नितिन नवीनक पिताकेँ श्रद्धांजलि अर्पित केलनि।
दोसर दिस, जन सुराजक उम्मीदवार प्रशांत किशोरक समर्थनमे सेहो पैघ संख्यामे कार्यकर्ता जुटलाह। नामांकनसँ पहिने पटनाक स्काउट एंड गाइड मैदानमे जनसभाक आयोजन कएल गेल, जतए प्रशांत किशोर समर्थकसभकेँ संबोधित केलनि। तत्पश्चात् ओ कार्यकर्तासभक विशाल काफिलाक संग नामांकन दाखिल करबाक लेल रवाना भेलाह। रोड शो केर दौरान ओ किछु दूर धरि कार्यकर्तासभक संग पैदल चलैत लोकसभक अभिवादन सेहो स्वीकार केलनि।
बाँकीपुर उपचुनावकेँ लऽ भाजपा आ जन सुराजक बीच चुनावी मुकाबला दिन-प्रतिदिन रोचक बनैत जा रहल अछि। नामांकनक अंतिम दिन दुनू दल द्वारा कएल गेल शक्ति प्रदर्शनसँ स्पष्ट संकेत भेटल अछि जे आब चुनाव प्रचारक संग राजनीतिक सरगर्मी आओर तेज होयत।
