
नई दिल्ली। भारतक प्रमुख विमान सेवा कंपनी इंडिगो 4 अगस्त 2026 सँ गुवाहाटी आ देवघरक बीच सीधा विमान सेवा शुरू करए जा रहल अछि। ई उड़ान प्रत्येक सप्ताह मंगलवार आ शुक्रवार कऽ संचालित होयत। एहि नव सेवासँ पूर्वोत्तर भारत आ झारखंडक प्रमुख धार्मिक नगरी देवघरक बीच हवाई संपर्क आओर मजबूत होयत।
यात्री इंडिगोक आधिकारिक वेबसाइट, मोबाइल ऐप अथवा अधिकृत ट्रैवल पार्टनरसभक माध्यम सँ टिकट बुक कऽ सकैत छथि।
वर्तमान समयमे देवघरक लेल सीधा विमान सेवा उपलब्ध कराबय वाली इंडिगो एकमात्र एयरलाइन अछि। देवघर प्रसिद्ध बाबा बैद्यनाथ धाम ज्योतिर्लिंगक कारण देश-विदेशक करोड़ों श्रद्धालुसभक आस्थाक प्रमुख केंद्र मानल जाइत अछि। हालक वर्षसभमे ई शहर पूर्वी भारतक एक महत्वपूर्ण पर्यटन स्थल केर रूपमे सेहो तेजी सँ विकसित भऽ रहल अछि।
गुवाहाटी पूर्वोत्तर भारतक प्रमुख व्यापारिक, शैक्षणिक आ पर्यटन केंद्र अछि आ एकरा पूर्वोत्तर भारतक प्रवेश द्वार सेहो कहल जाइत अछि। गुवाहाटी आ देवघरक बीच सीधा उड़ान शुरू होएला सँ श्रद्धालु, पर्यटक आ व्यावसायिक यात्रीसभकेँ यात्रा करब आओर सुगम भऽ जायत।
एहि नव हवाई सेवासँ केवल यात्रा सुविधा नहि बढ़त, बल्कि झारखंड आ पूर्वोत्तर भारतक बीच आर्थिक, सांस्कृतिक आ पर्यटन गतिविधिसभकेँ सेहो नव गति भेटबाक उम्मीद व्यक्त कयल जा रहल अछि।