आईपीएल आ यूपीएलक साझेदारीसँ गुजरातमे टिकाऊ ऊख खेतीकेँ भेटत बढ़ावा

नई दिल्ली। इंडियन पोटाश लिमिटेड (आईपीएल)यूपीएल सस्टेनेबल एग्री सॉल्यूशंस लिमिटेड (यूपीएल एसएएस) गुजरातक कोडीनार क्षेत्रमे ऊख (गन्ना) उत्पादन बढ़ेबाक आ टिकाऊ खेतीकेँ प्रोत्साहित करबाक उद्देश्यसँ तीन वर्षक समझौता कएने अछि।

एहि पहलक तहत लगभग 2,000 एकड़ क्षेत्रमे पुनर्योजी (रेजेनरेटिव) खेती, आधुनिक कृषि तकनीक, संतुलित पोषण प्रबंधन, फसल सुरक्षा आ डिजिटल सेवाकेँ बढ़ावा देल जाएत। कार्यक्रमक मुख्य लक्ष्य ऊखक उत्पादकतामे कम-से-कम 15 प्रतिशत वृद्धि करब अछि।

परियोजनाक अंतर्गत किसानसभकेँ प्रशिक्षण, एक-एक कए परामर्श, प्रदर्शन प्लॉट, फील्ड डे आ आधुनिक खेतीक तकनीक संबंधी जानकारी उपलब्ध कराओल जाएत। एकर अतिरिक्त ‘नेचर डॉट फार्म’ डिजिटल प्लेटफॉर्मक माध्यमसँ किसानसभक पंजीकरण, नियमित निगरानी आ कार्यक्रमक प्रभावक मूल्यांकन सेहो कएल जाएत।

आईपीएलक मुख्य कृषि वैज्ञानिक डॉ. यू. एस. तेवतिया कहलनि जे ई साझेदारी ऊखक उत्पादकता बढ़ेबामे, किसानसभक आमदनी सुधारबामे आ प्राकृतिक संसाधनक संरक्षणमे महत्वपूर्ण भूमिका निभाएत।

ओतहि, यूपीएल एसएएसक सस्टेनेबिलिटी प्रमुख हर्षल सोनावणे कहलनि जे विज्ञान आधारित खेती, डिजिटल तकनीक आ किसान-केंद्रित समाधानक माध्यमसँ अधिक लाभदायक आ जलवायु-अनुकूल ऊख मूल्य श्रृंखला विकसित करबाक दिशा मे ई पहल एक महत्वपूर्ण कदम अछि।

दूनू संस्थाक अनुसार, एहि साझेदारीसँ ऊखक उपलब्धतामे वृद्धि, प्राकृतिक संसाधनक संरक्षण, ग्रीनहाउस गैस उत्सर्जनमे कमी आ किसानसभक आयमे उल्लेखनीय बढ़ोतरी होएबाक उम्मीद अछि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *