युवा भारतक बेहतर पोषण लेल एमवे इंडियाक नव पहल, ‘पावर ऑफ 5’ कार्यक्रमक दोसर चरण शुरू

नई दिल्ली। बच्चासभमे पोषण संबंधी जागरूकता बढ़ेबाक आ स्वस्थ भारतक निर्माणक उद्देश्यसँ एमवे इंडिया अपन प्रमुख ‘पावर ऑफ 5 (Power of 5)’ स्कूल न्यूट्रिशन एजुकेशन प्रोग्राम केर दोसर चरणक शुरुआत कएलक अछि। पहिल चरणक सफलता केर बाद आब ई कार्यक्रम दिल्लीक 10 नव सरकारी आ सरकारी सहायता प्राप्त स्कूलसभ धरि पहुँचाओल जाएत, जाहिसँ लगभग 15 हजार लोक लाभान्वित हेता।

कंपनीक अनुसार, एहि कार्यक्रमक मुख्य उद्देश्य पोषण शिक्षाकेँ स्कूली पढ़ाइक अभिन्न हिस्सा बनेनाइ अछि। एहि लेल कक्षाक गतिविधि, डिजिटल लर्निंग टूल्स आ सामुदायिक सहभागिताकेँ एकसाथ जोड़ि बच्चासभमे बचपनसँ स्वस्थ खान-पानक आदत विकसित कएल जाएत।

पहिल चरणमे 40 हजारसँ बेसी लोक लाभान्वित

एमवे इंडियाक अनुसार, वित्तीय वर्ष 2025-26 मे संचालित पहिल चरणक दौरान 10 हजार स्कूली बच्चा सहित 40 हजारसँ बेसी लोक एहि कार्यक्रमसँ लाभान्वित भेलाह। कार्यक्रमक मूल्यांकनमे बच्चासभक स्वास्थ्य आ पोषण संबंधी व्यवहारमे सकारात्मक परिवर्तन देखल गेल। सामान्य बॉडी मास इंडेक्स (बीएमआई) वाला बच्चासभक संख्या बढ़ल, जबकि कुपोषण आ मोटापाक मामिलामे कमी दर्ज कएल गेल। एकर अतिरिक्त साबुनसँ हाथ धोएबाक आदत आ संतुलित भोजन ग्रहण करबाक प्रवृत्तिमे सेहो उल्लेखनीय सुधार देखल गेल।

दोसर चरणमे 10 स्कूलसभ शामिल

चाइल्डफंड इंडिया केर सहयोगसँ संचालित ई कार्यक्रम वित्तीय वर्ष 2026-27 मे दक्षिण दिल्लीक 10 सरकारी आ सरकारी सहायता प्राप्त स्कूलसभमे लागू कएल जाएत। एहि माध्यमसँ कक्षा 1 सँ 8 धरिक लगभग 2,500 छात्र-छात्रा, शिक्षक, अभिभावक आ सम्पूर्ण स्कूल समुदाय सहित करीब 15 हजार लोक लाभान्वित हेता।

कार्यक्रमक औपचारिक शुभारंभ दक्षिण दिल्लीक लाजपत नगर स्थित शहीद हेमू कालानी सर्वोदय बाल विद्यालय मे भेल। एहि अवसर पर दिल्ली सरकारक स्टेट नोडल ऑफिसर (एजुकेशन एंड लिटरेसी) मनीषा तनेजा, एमवे इंडियाक मैनेजिंग डायरेक्टर रजनीश चोपड़ा आ चाइल्डफंड इंडियाक एग्जीक्यूटिव डायरेक्टर आनंद विश्वकर्मा उपस्थित छलाह। कार्यक्रमक दौरान किचन गार्डन आ हर्ब पॉट तैयार कएल गेल, बच्चासभ लेल रोचक गतिविधिक आयोजन भेल तथा पौष्टिक भोजन सेहो परोसाल गेल।

पोषण शिक्षासँ स्वस्थ भविष्यक निर्माण

एमवे इंडियाक मैनेजिंग डायरेक्टर रजनीश चोपड़ा कहलनि जे ‘पावर ऑफ 5’ केवल जागरूकता अभियान नहि, बल्कि बच्चासभकेँ स्वस्थ जीवनशैली अपनाबए लेल ज्ञान आ आत्मविश्वास प्रदान करबाक पहल अछि। हुनक अनुसार पहिल चरणक सकारात्मक परिणाम एहि कार्यक्रमक प्रभावशीलताकेँ प्रमाणित करैत अछि, आ आब दोसर चरणक माध्यमसँ पोषण साक्षरताकेँ स्कूल शिक्षा व्यवस्थाक स्थायी हिस्सा बनेबाक दिशा मे काज कएल जाएत।

एहि अवसर पर चाँदनी चौकक सांसद प्रवीण खंडेलवाल कहलनि जे कुपोषणमुक्त आ स्वस्थ भारतक निर्माण केवल सरकार नहि, बल्कि समाज आ कॉर्पोरेट क्षेत्रक सेहो साझा जिम्मेदारी अछि। हुनक अनुसार एमवे इंडियाक ई पहल कॉर्पोरेट सामाजिक उत्तरदायित्व (CSR) केर उत्कृष्ट उदाहरण अछि, जे राष्ट्रीय पोषण लक्ष्यकेँ मजबूती प्रदान करत।

चाइल्डफंड इंडियाक एग्जीक्यूटिव डायरेक्टर आनंद विश्वकर्मा कहलनि जे स्कूली अवस्थामे सही पोषण शिक्षा बच्चासभक स्वस्थ भविष्यक मजबूत आधार तैयार करैत अछि आ ई कार्यक्रम दीर्घकालिक सकारात्मक बदलाव आनए मे महत्वपूर्ण भूमिका निभाएत।

चार प्रमुख आधार पर तैयार कार्यक्रम

एक वर्षक अवधि वाला ई कार्यक्रम चार प्रमुख स्तंभ पर आधारित अछि—बच्चासभ लेल पोषण शिक्षा, शिक्षकसभक क्षमता विकास, तकनीक आधारित शिक्षण आ अभिभावक तथा समुदायक सक्रिय सहभागिता। एहि अंतर्गत संतुलित भोजन, स्वच्छता, स्थानीय पौष्टिक खाद्य पदार्थ, न्यूट्रिशन एंबेसडर कार्यक्रम, डिजिटल लर्निंग प्लेटफॉर्म आ स्मार्ट हेल्थ मॉनिटरिंग कियोस्क जेकाँ पहल शामिल अछि।

कार्यक्रमक प्रभावक मूल्यांकन नॉलेज, एटीट्यूड एंड प्रैक्टिस (KAP) असेसमेंट केर माध्यमसँ कएल जाएत। लक्ष्य अछि जे कमसँ कम 70 प्रतिशत छात्रसभ मे पोषण संबंधी ज्ञान आ पोषण स्तरमे 30 प्रतिशत धरि सुधार सुनिश्चित कएल जा सकए।

एमवे इंडियाक ई पहल संयुक्त राष्ट्रक सतत विकास लक्ष्य (SDG-2: जीरो हंगर आ SDG-3: उत्तम स्वास्थ्य आ कल्याण) केर अतिरिक्त भारत सरकारक पोषण अभियानआयुष्मान भारत स्कूल हेल्थ एंड वेलनेस प्रोग्राम केँ सेहो मजबूती प्रदान करैत अछि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *