मुंबई। देशक आर्थिक राजधानी मुंबई मे आखिरकार दक्षिण-पश्चिम मानसूनक जोरदार आगमन भ’ गेल अछि। अपन सामान्य समय सँ 13 दिनक देरी सँ पहुँचल मानसून शहरवासीसभ केँ भीषण गर्मी आ उमस सँ पैघ राहत देलक अछि। मंगलक रातिसँ शुरू भेल भारी वर्षाक दौर बुधक भोर धरि जारी रहल, जाहिसँ मुंबई, ठाणे आ पालघर सहित आसपासक इलाकामे मौसमक मिजाज पूर्ण रूपेँ बदलि गेल।
भारत मौसम विज्ञान विभाग (IMD) भारी वर्षा केँ ध्यानमे रखैत पहिने मुंबई आ पालघर लेल भोर चारि बजे तीन घंटाक रेड अलर्ट जारी कएलक। विभाग एहि दौरान गर्जन-तर्जनक संग भारी वर्षा, बिजली गिरबाक आशंका आ 40 सँ 60 किलोमीटर प्रति घंटाक रफ्तार सँ तेज हवा चलबाक चेतावनी देने छल। मुदा भोर सात बजे मौसममे किछु सुधार देखलाक बाद अलर्टक स्तर घटा कऽ ऑरेंज अलर्ट कऽ देल गेल।
मौसम विभागक अनुसार मुंबई, ठाणे, रायगढ़, पालघर आ सिंधुदुर्ग जिलामे आबए वाला किछु घंटामे मध्यम सँ भारी वर्षा जारी रहबाक संभावना अछि। मानसून सक्रिय होयबाक कारण पूरा क्षेत्रमे तापमानमे गिरावट दर्ज कएल गेल अछि आ लोकसभ केँ लम्बा समय सँ पड़ि रहल गर्मी सँ राहत भेटल अछि।
यातायात आ रेल सेवा सामान्य
रातिभर भेल मूसलाधार वर्षाक बावजूद मुंबईक जीवनरेखा कहल जाएवाला उपनगरीय रेल सेवा सामान्य रूप सँ संचालित होइत रहल। प्रशासनक अनुसार शहरक प्रमुख सड़क आ उपमार्ग सभ खुलल रहल आ कतहु पैघ जलजमाव अथवा यातायात बाधित होयबाक सूचना नहि भेटल अछि।
एक अधिकारीक अनुसार बृहन्मुंबई विद्युत आपूर्ति आ परिवहन (BEST) केर बस सेवापर सेहो वर्षाक कोनो विशेष असर नहि पड़ल आ सभटा सेवा नियमित रूप सँ चलैत रहल।
13 दिनक देरी सँ पहुँचल मानसून
मुंबईमे सामान्य रूप सँ मानसून 10 जूनक आसपास पहुँचि जाइत अछि, मुदा एहि वर्ष एकर आगमन 24 जून केँ भेल। हालांकि, ई देरी कोनो रिकॉर्ड नहि अछि। IMD क आंकड़ाक अनुसार वर्ष 2023 मे मानसून 25 जून केँ मुंबई पहुँचल छल। ओतहि, मानसूनक आगमनमे सभसँ बेसी देरी वर्ष 1958 आ 1974 मे दर्ज कएल गेल छल, जखन ई 28 जून केँ मुंबई पहुँचल छल।
प्रशासन सतर्क
भारी वर्षाक चेतावनी केँ देखैत प्रशासन आ आपदा प्रबंधन एजेंसीसभ पूर्ण रूप सँ सतर्क अछि। नागरिकसभ सँ आवश्यक कार्य होए तखने घर सँ बाहर निकलबाक, जलजमाव वाला इलाकासँ दूर रहबाक आ मौसम विभागक परामर्शक पालन करबाक अपील कएल गेल अछि।
मौसम विशेषज्ञसभक मानब अछि जे आबए वाला किछु दिन धरि मुंबई आ आसपासक तटीय क्षेत्रसभमे वर्षाक गतिविधि तेज बनल रहि सकैत अछि, जाहिसँ मानसूनक प्रभाव आओर मजबूत होयबाक संभावना अछि।
