राजस्थान सँ मिथिलांचलक दूरी भेल कम, जयपुर-दरभंगा अमृत भारत एक्सप्रेसक शुभारंभ

दरभंगा। मिथिलांचल आ राजस्थानक बीच रेल संपर्कक क्षेत्र मे एकटा महत्वपूर्ण उपलब्धि जुड़ि गेल अछि। जयपुर (खातीपुरा) सँ दरभंगा धरि नव अमृत भारत एक्सप्रेस सेवाक शुभारंभ भऽ गेल अछि। एहि ट्रेनक परिचालन सँ बिहार आ राजस्थानक बीच यात्रा बेसी सुगम, सुलभ आ सुविधाजनक बनत।

ई ट्रेन सप्ताहमे छह दिन चलत आ राजस्थान, उत्तर प्रदेश आ बिहारक अनेक महत्वपूर्ण स्टेशनसभ कें जोड़त। एहि सेवा सँ विशेष रूप सँ मिथिलांचल के ओहि यात्रीसभ के लाभ भेटत जे रोजगार, शिक्षा, व्यापार अथवा पारिवारिक कारण सँ नियमित रूपें राजस्थान के यात्रा करैत छथि।

जयपुर देशक प्रमुख पर्यटन, औद्योगिक आ सांस्कृतिक नगरज्ञमे सँ एक अछि, जखनकि दरभंगा मिथिला क्षेत्रक सांस्कृतिक आ शैक्षणिक केन्द्र मानल जाइत अछि। नव ट्रेन सेवा सँ दुनू क्षेत्रक बीच सामाजिक, सांस्कृतिक आ आर्थिक संबंध आरो मजबूत होयबाक उम्मीद अछि।

लगभग 1,171 किलोमीटर दूरी तय करनिहार ई ट्रेन सीतामढ़ी, रक्सौल, नरकटियागंज, गोरखपुर, गोमती नगर, कानपुर, आगरा, भरतपुर आ दौसा जेकाँ महत्वपूर्ण स्टेशनसभ सँ गुजरत। एहि सँ मिथिलांचलक लोकसभ लेल राजस्थान धरि सीधा रेल संपर्कक सपना साकार भेल अछि।

मिथिलांचल आ राजस्थानक बीच सीधा रेल सेवाक मांग बहुत दिन सँ कयल जा रहल छल। अमृत भारत एक्सप्रेसक शुभारंभ सँ क्षेत्रक यात्रीसभ मे उत्साहक माहौल अछि आ लोक एकरा संपर्क, सुविधा आ विकास दिशा मे एकटा महत्वपूर्ण कदम मानि रहल छथि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *