NEET क दबाव, सपना आ संघर्षक अनकहल कहानी ल’ क’ आबि रहल अछि वेब सीरीज “रैंकर्स”

 

मुंबई। मेडिकल कॉलेजमे नामांकनक सपना देखनिहार लाखों छात्र-छात्रा लेल NEET मात्र एकटा परीक्षा नहि, बल्कि वर्षौंक मेहनत, त्याग, उम्मीद आ संघर्षक प्रतीक बनि गेल अछि। प्रत्येक वर्ष करोड़ों युवा अपन भविष्यक आशा एहि परीक्षा पर टिका कए रखैत छथि, मुदा जखन व्यवस्थागत त्रुटि आ विवाद एहि सपनासभकेँ झकझोरि दैत अछि, तखन ओकर मानसिक पीड़ा आ दबावकेँ बहुत कम लोक बुझि पबैत छथि।

एहि संवेदनशील आ यथार्थ विषयकेँ केंद्रमे राखि लेखक, निर्देशक आ निर्माता विकास फडनिस वेब सीरीज “रैंकर्स” केर निर्माण केने छथि। हालहि मुंबईमे आयोजित एक भव्य समारोहमे एहि सीरीजक प्रभावशाली टीजर लॉन्च कएल गेल।

थिंक क्रिएटिव फिल्म्स केर बैनर तले बनल ई सीरीज वास्तविक घटनासँ प्रेरित अछि। एकरा माध्यमे ओहि छात्र-छात्रासभक दुनिया देखाओल गेल अछि, जे सफलता प्राप्त करबाक दौड़मे मानसिक, सामाजिक आ भावनात्मक दबावसँ लगातार जूझैत छथि।

लॉन्च भेल टीजरमे NEET पेपर लीक, परीक्षा रद्द होयबाक स्थिति, टूटैत सपना आ छात्रसभक मानसिक संघर्षकेँ अत्यन्त मार्मिक ढंगसँ प्रस्तुत कएल गेल अछि। टीजर दर्शककेँ सोचबाक लेल मजबूर करैत अछि जे प्रतियोगी परीक्षाक दबाव युवासभ पर कतेक गहिर असर छोड़ैत अछि।

विशेष बात ई अछि जे सीरीजक शूटिंग महाराष्ट्रक लातूर शहरमे कएल गेल अछि, जे अपन प्रसिद्ध “लातूर पैटर्न” आ कोचिंग संस्कृति लेल देशभरमे चर्चित अछि। एहि पृष्ठभूमिमे तैयार कएल गेल “रैंकर्स” केवल मनोरंजनक माध्यम नहि, बल्कि ओहि लाखों छात्रसभ लेल एक भावनात्मक श्रद्धांजलि अछि, जे अपन सपना पूरा करबाक लेल अनगिनत राति जागि क’ पढ़ाइ करैत छथि।

निर्मातासभक अनुसार, ओटीटी प्लेटफॉर्म पर जल्द रिलीज होमय जा रहल ई सीरीज शिक्षा व्यवस्था, प्रतियोगी परीक्षाक बढ़ैत दबाव, छात्रसभक मानसिक स्वास्थ्य आ युवा पीढ़ीक संघर्षकेँ नजदीकसँ देखेबाक प्रयास करैत अछि।

“रैंकर्स” केवल एकटा वेब सीरीज नहि, बल्कि ओहि 23 लाख सपनाक कहानी अछि, जे प्रत्येक वर्ष NEET परीक्षा संग जुड़ल रहैत अछि आ सफलताक मंजिल धरि पहुँचबाक संघर्ष करैत अछि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *