नई दिल्ली। स्किनकेयर आ फुटबॉल जगतक दूटा प्रतिष्ठित नाम NIVEA MEN आ Real Madrid अपन दीर्घकालीन साझेदारीकेँ फेर सँ विस्तार देलक अछि। एहि सहयोगक उद्देश्य उत्कृष्ट प्रदर्शन, सटीकता आ गुणवत्ता प्रति दुनू ब्रांडक साझा प्रतिबद्धताकेँ आरो मजबूत बनौनाय अछि।
कंपनीक अनुसार, आब एहि साझेदारीक केंद्रबिंदु फैन एंगेजमेंट रहत। मतलब, समर्थकसभकेँ केवल खेल धरि सीमित नहि राखि, बल्कि विशेष अनुभव आ आकर्षक कार्यक्रमक माध्यम सँ क्लबक आरो नजदीक आनल जाएत।
भारत एहि साझेदारीमे एक महत्वपूर्ण बाजारक रूपमे उभरि रहल अछि। युवा आबादी, डिजिटल प्लेटफॉर्मक बढ़ैत उपयोग आ फुटबॉल प्रति बढ़ैत रुचिक कारण भारत विश्वक सभसँ तेजी सँ बढ़ैत फुटबॉल फैन बेसमे शामिल भ’ गेल अछि। महानगरसभक अतिरिक्त उभरैत शहरसभमे सेहो Real Madrid क प्रति जबरदस्त उत्साह देखल जा रहल अछि। देर राति मैच स्क्रीनिंग, फैन क्लब आ ऑनलाइन समुदायसभ एहि लोकप्रियताक प्रमाण अछि।
ग्राहकसभकेँ एहि अभियान सँ जोड़बाक लेल NIVEA MEN India प्रमुख ई-कॉमर्स प्लेटफॉर्मसभक संग मिलिकय विशेष प्रमोशनल कार्यक्रम शुरू करत। निर्धारित राशि सँ बेसी NIVEA MEN उत्पाद खरीदनिहार ग्राहकसभकेँ स्पेन जा क’ Real Madrid क लाइव मैच देखबाक अवसर भेटि सकैत अछि। एकर अतिरिक्त आधिकारिक Real Madrid मर्चेंडाइज जीतबाक मौका सेहो रहत। ई अभियान जून सँ अक्टूबर 2027 धरि विभिन्न चरणमे चलाओल जाएत।
NIVEA India क मार्केटिंग डायरेक्टर श्वेता दलाल कहलनि जे, “भारतमे आब फुटबॉल केवल एक खेल नहि, बल्कि एकटा एहन जुनून बनि गेल अछि जे अलग-अलग शहर, स्क्रीन आ समुदायक लोकसभकेँ एकसूत्रमे जोड़ैत अछि। देर रातिक मैच स्क्रीनिंग सँ ल’ क’ रोजमर्रा क बातचीत धरि, फुटबॉल लोकक जीवनक महत्वपूर्ण हिस्सा बनि रहल अछि।”
ओ कहलनि जे भारतक युवा फैनसभ फुटबॉल संस्कृति केँ नव आयाम द’ रहल छथि। Real Madrid जेकाँ वैश्विक क्लब लाखों समर्थकसभक मनमे विशेष स्थान रखैत अछि आ गर्वक भावना जगबैत अछि। NIVEA MEN एहि जुनूनक संग सार्थक ढंग सँ जुड़बाक प्रयास क’ रहल अछि।
कंपनीक अनुसार, NIVEA MEN ग्रूमिंग क्षेत्रमे एकटा भरोसेमंद नाम अछि आ फैनसभकेँ अपन पसंदीदा टीमक नजदीक आनबाक लेल विशेष अनुभव तैयार करैत अछि। Real Madrid क प्रसिद्ध नारा “हाला मैड्रिड” क संग कंपनी आगाँ सेहो फैनसभ लेल नव-नव पहल करबाक तैयारीमे अछि।
