
नई दिल्ली। बिहारक प्रवासी मैथिलीभाषी सभक सामाजिक, साहित्यिक, कला आ सांस्कृतिक संस्था मिथिलांगन द्वारा प्रत्येक वर्षक भाँति एहि वर्ष सेहो ग्रीष्मकालीन वार्षिक खेल प्रतियोगिताक सफल आयोजन नई दिल्ली स्थित मिथिलांगनक भव्य सभागार देवेश्वरी भवन में कएल गेल। कार्यक्रममे कैरम, शतरंज आ लूडो प्रतियोगिताक आयोजन कएल गेल, जाहिमे पुरुष, महिला आ बाल वर्गक कुल 30 प्रतिभागी उत्साहपूर्वक सहभागी बनलाह।
प्रसिद्ध शिक्षाविद् स्वर्गीय राधाकृष्ण लाल दासक स्मृतिमे आयोजित “स्वर्गीय राधाकृष्ण लाल दास ट्रॉफी” प्रतियोगितामे प्रतिभागीसभ अपन उत्कृष्ट खेल प्रतिभाक प्रदर्शन कएलनि। विशेष रूपसँ शतरंज प्रतियोगितामे बालक आ महिलासभक उत्साह कार्यक्रमकेँ अत्यन्त रोमांचक बना देलक।
प्रतियोगिताक पुरुष वर्गमे कैरम प्रतियोगिताक विजेता श्री निर्भय कुमार कर्ण, शतरंज प्रतियोगिताक विजेता श्री दयानंद मिश्र, तथा लूडो प्रतियोगितामे श्री नवीन कुमार आ श्री प्रेमकान्त मिश्र रहलाह। महिला वर्गक लूडो प्रतियोगितामे सुश्री रचना दास विजेता बनलीह, जखन कि कैरम प्रतियोगितामे सुश्री छवि दास पहिल स्थान प्राप्त कएलनि। बाल वर्गक लूडो प्रतियोगितामे सुश्री सृष्टि दत्त आ श्री प्रेमकान्त मिश्र विशेष प्रदर्शन कएलनि।
कार्यक्रमक दौरान मिथिलांगन परिवारक वरिष्ठ सदस्यक सौजन्यसँ स्वर्गीय राधाकृष्ण लाल दास ट्रॉफी प्रदान कएल गेल। एकर अतिरिक्त उपस्थित प्रतिभागीसभ मिथिलाक पारंपरिक व्यंजन—चूड़ा, दही, चीनी, अचार आ आमक स्वादक सेहो भरपूर आनंद लेलनि।
खेल प्रतियोगिता सम्पन्न होएबाक उपरांत आयोजित सम्मान समारोहमे सभ विजेता प्रतिभागीसभकेँ ट्रॉफी आ सम्मान प्रदान कएल गेल। एहि अवसर पर मिथिलांगनक अध्यक्ष श्री कमलेश कुमार दास विजेता आ सहभागी सभकेँ शुभकामना दैत हुनकर उत्साह आ योगदानक सराहना कएलनि। ओ आयोजनक सफलताक लेल आयोजक, प्रायोजक आ व्यवस्थापक सभकेँ धन्यवाद ज्ञापित कएलनि।
विशेष रूपसँ महिला आ बाल विकास प्रभारी श्रीमती दीपाली कर्ण केर योगदानक प्रशंसा करैत अध्यक्ष कहलनि जे आगामी वर्षसभमे महिला आ बाल प्रतिभागीसभक संख्या आओर बढ़ेबाक प्रयास कएल जाएत।
एहि अवसर पर वरिष्ठ सदस्य श्री अरविंद चन्द्र दास ‘सुबोध’ आगामी वर्षसँ मिथिलाक पारंपरिक खेल “पचीसी” केँ सेहो प्रतियोगितामे शामिल करबाक सुझाव देलनि। हुनकर मानब छल जे एकरा जोड़लासँ बेसी सँ बेसी सदस्य मिथिलांगनक वार्षिक खेल प्रतियोगितासँ जुड़ि सकताह आ मिथिलाक सांस्कृतिक विरासतकेँ बढ़ावा भेटत।
कार्यक्रम सौहार्दपूर्ण वातावरण, खेल भावना आ सांस्कृतिक अपनत्वक संग सफलतापूर्वक सम्पन्न भेल, जाहिसँ प्रवासी मैथिल समुदायमे उत्साहक वातावरण देखल गेल।