नई दिल्ली। राष्ट्रीय राजधानी दिल्ली एक बेर फेर छात्र आ युवा आंदोलनक केंद्र बनैत देखाइ पड़ि रहल अछि। सोशल मीडिया सँ उभरल संगठन कॉकरोच जनता पार्टी (CJP) द्वारा 6 जून 2026 केँ जंतर-मंतर पर शांतिपूर्ण विरोध-प्रदर्शनक आह्वान कयल गेल अछि। संगठनक संस्थापक अभिजीत दीपकेक नेतृत्वमे आयोजित एहि प्रदर्शनक मुख्य उद्देश्य केंद्रीय शिक्षा मंत्री धर्मेंद्र प्रधानक इस्तीफाक मांगक संग युवा आ छात्रक आवाज केँ प्रमुखतासँ उठेबाक बताओल जा रहल अछि।
एहि आंदोलन केँ आब मनोरंजन जगत सँ सेहो समर्थन भेटए लागल अछि। अभिनेता अतुल कुलकर्णी, अभिनेत्री कुनिका सदानंद आ अभिनेता प्रकाश राज पहिनेसँ एहि पहलक समर्थनमे अपन विचार रखि चुकल छथि। आब बॉलीवुड अभिनेत्री ऋचा चड्ढा सेहो युवासभक समर्थनमे खुलिकऽ आगाँ आबि गेल छथि।
हालाँकि ऋचा चड्ढा एहि समय भारतसँ बाहर छथि, मुदा हुनका सोशल मीडिया माध्यमसँ आंदोलनमे शामिल युवासभक प्रति अपन समर्थन आ शुभकामना पठौलनि अछि। हुनकर संदेश सोशल मीडिया प्लेटफॉर्मसभ पर तेजी सँ वायरल भऽ रहल अछि आ हजारों लोक एकरा साझा कऽ रहल छथि।
ऋचा चड्ढा अपन संदेशमे लिखलनि, “डायनासोर समाप्त भ’ गेल, मुदा कॉकरोच एखनो जीवित अछि।” हुनकर एहि टिप्पणी केँ बहुत लोक युवासभक दृढ़ता, संघर्षशीलता आ निरंतरता केर प्रतीकक रूपमे देखैत छथि। सोशल मीडिया पर समर्थकसभ एकरा व्यवस्था परिवर्तनक मांग करैत युवासभक प्रति एकजुटताक संदेश बताबि रहल छथि।
कॉकरोच जनता पार्टीक दावा अछि जे ओकर आंदोलन छात्र आ युवासभसँ जुड़ल मुद्दासभ केँ राष्ट्रीय बहसक केंद्रमे आनबाक प्रयास अछि। संगठनक कहब अछि जे शिक्षा व्यवस्थामे सुधार, जवाबदेही आ पारदर्शिता सुनिश्चित करबाक लेल लोकतांत्रिक माध्यमसँ अपन बात राखल जा रहल अछि।
दिल्ली पुलिस जंतर-मंतर आ आसपासक इलाकामे सुरक्षा व्यवस्था कड़ा कऽ देने अछि। प्रशासन प्रदर्शनकारीसभसँ शांतिपूर्ण ढंगसँ अपन बात रखबाक आ कानून-व्यवस्था बनौने रखबाक अपील केने अछि।
राजनीतिक विश्लेषकसभक मानब अछि जे सोशल मीडिया सँ शुरू भेल एहन अभियान आब जमीनी स्तर पर सेहो प्रभाव छोड़ए लागल अछि। एहन परिस्थितिमे कॉकरोच जनता पार्टीक ई प्रदर्शन भविष्यमे युवासभक राजनीतिक सहभागिता आ नव प्रकारक जनआंदोलन पर चर्चाक गति आरो तेज कऽ सकैत अछि।
