बिहार नहि जइबाक अमेरिकी ब्लॉगर कें भेटल छल चेतावनी, मुदा दरभंगा के सुखद यात्रा स भ’ गेला गदगद

दरभंगा (बिहार) : बिहारक नाम सुनिते अक्सर बाहर बला लोकक मन मे अपराध, पिछड़ापन आ डरक तस्वीर बनि जाइत अछि। ठीक एहनहि सोच अमेरिका के एकटा ट्रैवल व्लॉगर कें सेहो सुनए पड़ल छल, जखन ओ बिहार जाएबाक तैयारी कए रहल छलाह। लोकसभ हुनका चेतावनी देने छलन्हि जे “बिहार मत जाना!” मुदा जखन ओ दरभंगा पहुँचलाह, त’ जे हुनका अनुभव भेलन्हि, से बिहारक प्रति हुनकर सोच पूर्णरूपेण बदलि गेलन्हि।

अमेरिकी ट्रैवल व्लॉगर टोनी, जे सोशल मीडिया पर @TonyKMontana नाम सँ चर्चित छथि, हालहि मे अपन दरभंगा यात्रा केर वीडियो शेयर कएलनि अछि। वीडियो मे टोनी कहैत छथि जे बिहार आबै सँ पहिने बहुत लोक हुनका एतय नहि जाएबाक सलाह देने छलैन्ह। मुदा दरभंगा मे बिताओल समय हुनका लेल उम्मीद सँ बेसी खास आ सुखदायी साबित भेलन्हि।
दरभंगा के संस्कृति आ अपनापन सँ प्रभावित भेल विदेशी मेहमान
टोनी मात्र ऐतिहासिक स्थल नहि घूमलनि, बल्कि शहरक रोजमर्रा जिंदगी, लोकसभक व्यवहार आ मिथिलाक सांस्कृतिक माहौल कें नजदीक सँ अनुभूति कएलनि। वीडियो मे ओ दरभंगा के सड़क, बाजार, स्थानीय लोक आ एतयक माहौल देखबैत नजरि अबैत छथि।
ओ कहलनि जे सोशल मीडिया पर जे तस्वीर बिहारक बारे मे देखाओल जाइत अछि, वास्तविकता ओकरा सँ बहुत अलग अछि। दरभंगा मे लोकसभक अपनापन आ स्वागत भाव हुनकर यात्रा कें यादगार बना देलक।

टोनी केर वीडियो सोशल मीडिया पर बहुत वायरल भ’ रहल अछि। बहुत लोक एहि वीडियो के प्रशंसा क’ रहल छथि आ कहि रहल छथि जे बिहारक सकारात्मक छवि दुनिया सामने आनबाक आवश्यकता अछि।
कतेको यूजर लिखलनि जे बिहार खाली खबरक नकारात्मक हेडलाइन नहि, अपितु समृद्ध इतिहास, संस्कृति आ पहुंनाई लेल सेहो विख्यात रहल अछि।

हालक वर्षसभ मे बिहार, खासकए मिथिला आ दरभंगा क्षेत्र, पर्यटन केर नक्शा पर अपन अलग पहचान बना रहल अछि। विदेशी पर्यटक सभ सेहो आब अहिठामक संस्कृति, खानपान, लोककला आ ऐतिहासिक विरासत सँ आकर्षित भ’ मिथिला मे आबि रहल छथि।
टोनी केर ई वीडियो मात्र एकटा ट्रैवल व्लॉग नहि, बल्कि बिहारक ओहि नकारात्मक छवि केर जवाब मानल जा रहल अछि, जे कतेको बरख सँ पूर्वाग्रह आ नकारात्मक धारणाक बीच दबि गेल छल।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *