
मुंगेर ( बिहार): सोशल मीडियापर वायरल भेल एकटा पोस्ट मुंगेर नगर निगमक कार्यप्रणाली पर गंभीर सवाल ठाढ़ कएने अछि। वायरल पोस्टमे नोएडा स्थित एक निजी कंपनीक माध्यम सँ नगर निगम क्षेत्रमे होल्डिंग टैक्स वसूलीमे कथित अनियमितता आ आर्थिक शोषणक आरोप लगाओल गेल अछि।
वायरल पोस्टक अनुसार, संबंधित कंपनीक प्रोजेक्ट मैनेजर पर आरोप अछि जे टैक्स वसूलीक नाम पर लोकसभ सँ गैरकानूनी तरीका सँ पैसा वसूलल जा रहल अछि। एकर अतिरिक्त, नौकरी देबाक नाम पर कथित रूप सँ फर्जी नियुक्ति पत्र जारी क’ युवतीसभक शोषण करबाक आरोप सेहो लगाओल गेल अछि।
पोस्टमे ई दावा सेहो कएल गेल अछि जे एहि पूरा मामला मे नगर निगम प्रशासनक किछु छोट-पैघ अधिकारी आ आन लोकसभक संलिप्तता भ’ सकैत अछि। हालांकि, वायरल पोस्टमे लगाओल गेल आरोपक एखन धरि कोनो आधिकारिक पुष्टि नहि भेल अछि।
एहि मामला केँ ल’ सोशल मीडियापर लोकसभक प्रतिक्रिया तेज भ’ गेल अछि आ प्रशासन सँ निष्पक्ष जांचक मांग उठ’ लागल अछि। लोकसभक कहब अछि जे जँ आरोपमे सच्चाई भेटैत अछि, तँ ई मामला अत्यंत गंभीर मानल जाएत।
फिलहाल जिला प्रशासन वा नगर निगम प्रशासनक तरफ सँ एहि संबंधमे कोनो आधिकारिक बयान सामने नहि आएल अछि। मुदा वायरल पोस्टक बाद नगर निगमक कार्यशैली पर सवाल उठ’ लागल अछि आ लोक निष्पक्ष कार्रवाईक प्रतीक्षा क’ रहल छथि।