
नई दिल्ली। उपभोक्ताक बदलैत जरूरत आ कैटेगरी इनोवेशन पर अपन फोकस मजबूत करैत आईटीसी फूड्स द्वारा Sunfeast Breakfast Smoothie लॉन्च करबाक घोषणा कएल गेल अछि। ई एकटा रेडी-टू-ड्रिंक बेवरेज अछि, जेकरा आइक तेज रफ्तार जिंदगी के ध्यानमे राखि तैयार कएल गेल अछि। सुविधा आ स्वादक संगम पर आधारित ई नव उत्पाद Sunfeast केर उभरैत “ऑन-द-गो” सेगमेंटमे प्रवेशक संकेत दैत अछि।
ई एकटा आधुनिक फॉर्मेट अछि, जे पारंपरिक किचन सामग्री के आइक आधुनिक खान-पानक आदतिसँ जोड़ैत अछि। 45 रुपैया कीमत वाला 160 एमएल पैक मे उपलब्ध ई स्मूदी आब क्विक कॉमर्स प्लेटफॉर्म, मॉडर्न ट्रेड आ मेट्रो शहरक जनरल ट्रेड आउटलेट्स पर उपलब्ध अछि।
Banana, Milk, Almonds, Oats, Dates आ चारि Super Seeds सँ तैयार ई स्मूदी ओहि उपभोक्ताक जरूरत पूरा करैत अछि जे जल्दी, पौष्टिक आ स्वादिष्ट ब्रेकफास्ट विकल्पक तलाशमे छथि। एहि उत्पादमे प्रति सर्विंग 6 ग्राम प्रोटीन अछि आ एकर खास बात ई अछि जे एहिमे कोनो अतिरिक्त चीनी, प्रिजर्वेटिव्स वा आर्टिफिशियल फ्लेवर्स नहि अछि। ई हेल्दी फूड आ बेवरेज विकल्पक बढ़ैत मांगक अनुरूप अछि।
ई लॉन्च ओहि समयमे भेल अछि जखन भारतमे ब्रेकफास्ट करबाक आदत तेजी सँ बदलि रहल अछि। बढ़ैत हेल्थ अवेयरनेस, व्यस्त दिनचर्या आ भागदौड़ भोर उपभोक्ताकेँ एहन सुविधाजनक आ पोर्टेबल बेवरेज विकल्प दिस आकर्षित कऽ रहल अछि, जाहि के रोजमर्रा जीवनमे सहजता सँ शामिल कएल जा सकैत अछि।
लॉन्च पर प्रतिक्रिया दैत आईटीसी लिमिटेड केर फूड्स डिवीजनमे डेयरी एंड बेवरेजेसक वाइस प्रेसिडेंट आ हेड विवेक कुक्कल कहलनि जे,
“ब्रेकफास्ट कैटेगरी सँ उपभोक्ताक अपेक्षा तेजी सँ बदलि रहल अछि। विशेष रूप सँ Gen Z उपभोक्ता एहन उत्पाद चाहैत छथि जे सुविधाजनक होएबाक संग स्वादिष्ट सेहो हो। एहि सोचिक आधार पर हम Sunfeast Breakfast Smoothie जेकाँ इनोवेशन-आधारित उत्पाद लॉन्च कएलहुँ, जे बदलैत जरूरत पूरा करत।”
प्रचार फिल्ममे एकटा युवा महिला के देखाओल गेल अछि, जे अपन किचन के एकटा परफॉर्मेंस स्टेजमे बदलि दैत छथि। स्मूदीक एकटा साधारण घूंट, स्पिनिंग जार्स आ उड़ैत सामग्रीक संग मजेदार bartender-style एक्टमे बदलि जाइत अछि। ई विजुअल स्टोरीटेलिंग उत्पादक खासियत — शानदार स्वाद आ सुविधा — के आधुनिक आ रोमांचक अंदाजमे प्रस्तुत करैत अछि।
Sunfeast Breakfast Smoothie केर संग आईटीसी फूड्स एहि विकसित होइत कैटेगरीमे फॉर्मेट इनोवेशन आ उपभोक्ता-केंद्रित उत्पाद डिजाइनक माध्यम सँ नेतृत्व स्थापित करबाक प्रयासमे अछि। मॉर्निंग कम्यूट, व्यस्त वर्कडे आ मिड-मॉर्निंग भूख जेकाँ वास्तविक उपभोक्ता जरूरत के ध्यानमे राखि ई उत्पाद विकसित कएल गेल अछि, जाहिसँ आधुनिक उपभोक्ताकेँ सुविधाजनक आ आनंददायक ब्रेकफास्ट विकल्प भेटि सकए।