
मधुबनी/बेनीपट्टी। मिथिलांचलक लाखों लोकक दशकौं पुरान सपना आब साकार होबाक दिशा मे तेजी सँ आगाँ बढ़ि रहल अछि। केंद्र सरकार आ बिहार सरकारक पहल पर मधुबनी-बेनीपट्टी-पुपरी नव रेल लाइन परियोजना केँ मंजूरी भेटला सँ पूरा इलाकामे खुशीक लहर दौड़ि गेल अछि।
लोकजनशक्ति पार्टीक युवा राष्ट्रीय उपाध्यक्ष सह प्रवक्ता डॉ. विभय कुमार झा कहलनि जे रेल मंत्रालय द्वारा मधुबनी-कमतौल एवं मधुबनी-जनकपुर रोड रेल परियोजनाक सर्वेक्षण केँ आधिकारिक हरी झंडी देल गेल अछि, जाहिसँ बेनीपट्टी सहित पूरा मिथिलांचलक विकासक नव द्वार खुजल अछि। हुनका अनुसार ई ऐतिहासिक निर्णय केवल क्षेत्रक वर्षों पुरान मांग केँ पूरा नहि करत, बल्कि व्यापार, रोजगार, शिक्षा, पर्यटन आ आवागमन केँ सेहो नव गति देत।
डॉ. झा कहलनि जे क्षेत्रक लोक एकरा बेनीपट्टीक विकास लेल ऐतिहासिक क्षण मानि रहल छथि।
विनोद नारायण झाक लगातार प्रयासक परिणाम
एक प्रश्नक जवाबमे डॉ. विभय कुमार झा कहलनि जे एहि महत्वपूर्ण परियोजना केँ मंजूरी दिलाबयमे बेनीपट्टीक विधायक श्री विनोद नारायण झा केर निरंतर प्रयासक महत्वपूर्ण भूमिका रहल अछि। हालांकि, क्षेत्रक अन्य नेता सभ सेहो समय-समय पर एहि मांग केँ सरकारक समक्ष उठबैत रहलाह।
हुनका अनुसार, एनडीए सरकार आखिरकार एहि सपना केँ साकार करबाक दिशा मे ठोस कदम उठौलक।
डॉ. झा कहलनि, “हमरा लेल ई अत्यंत हर्षक विषय अछि जे हमर पिताजी आ क्षेत्रीय विधायक श्री विनोद नारायण झा वर्षों सँ एहि मुद्दा केँ रेल मंत्रालय आ केंद्र सरकारक समक्ष मजबूती सँ उठबैत रहलाह। तकनीकी आ व्यावहारिक पक्ष केँ विस्तार सँ प्रस्तुत कए एहि परियोजना केँ स्वीकृति दिलाबयमे हुनकर महत्वपूर्ण योगदान रहल अछि।”
45 किलोमीटर लंब रेल लाइन सँ जुड़त इलाका
प्रस्तावित रेल लाइन मधुबनी सँ शुरू भ’ बेनीपट्टी होइत पुपरी धरि जाएत। लगभग 45 किलोमीटर लंब ई रेल लाइन क्षेत्र केँ रेलवे नेटवर्क सँ जोड़बाक काज करत।
स्थानीय लोकक मानब अछि जे विधायकक अथक प्रयासक परिणाम अछि जे आइ ई परियोजना धरातल पर उतराबयक दिशा मे आगाँ बढ़ि रहल अछि।
धार्मिक आ सांस्कृतिक महत्व सेहो पैघ
डॉ. विभय कुमार झा बतौलनि जे एहि रेल परियोजनाक धार्मिक आ सांस्कृतिक महत्व सेहो बहुत पैघ अछि। एहि माध्यम सँ उच्चैठ स्थान, माता जानकीक जन्मस्थली पुनौराधाम आ पशुपतिनाथ कॉरिडोर जेकाँ महत्वपूर्ण धार्मिक स्थलसभ धरि पहुँच आसान भ’ जाएत।
एहि सँ धार्मिक पर्यटन केँ जबरदस्त बढ़ावा भेटबाक संभावना अछि।
क्षेत्र केँ होयत ई प्रमुख लाभ
बेहतर कनेक्टिविटी:
मधुबनी, बेनीपट्टी आ पुपरीक बीच सीधा रेल संपर्क स्थापित होयत।
व्यापार आ रोजगारमे वृद्धि:
कृषि उत्पादक परिवहन, स्थानीय कारोबार आ नव रोजगार अवसरक विस्तार होयत।
यात्रा होयत आसान:
लाखों लोक केँ जिला मुख्यालय आ प्रमुख शहर धरि पहुँचबाक लेल समय आ धन दुनूक बचत होयत।
जनता जतौलनि आभार
परियोजना केँ मंजूरी भेटला पर क्षेत्रमे खुशीक माहौल अछि। स्थानीय नागरिक, सामाजिक संगठन आ बुद्धिजीवी सभ विधायक श्री विनोद नारायण झा आ रेल मंत्रालय प्रति आभार व्यक्त कए रहल छथि।
लोकक कहब अछि जे ई परियोजना बेनीपट्टी आ पूरा मिथिलांचलक विकासमे मीलक पत्थर साबित होयत।
2022 मे विधानसभा मे उठाओल गेल छल मुद्दा
डॉ. विभय कुमार झा बतौलनि जे मार्च 2022 मे बिहार विधानसभा मे श्री विनोद नारायण झा गैर-सरकारी संकल्प केर माध्यम सँ बेनीपट्टी प्रखंड केँ रेल मार्ग सँ जोड़बाक अनुशंसा केंद्र सरकार केँ पठेबाक मांग राज्य सरकार सँ केने छलाह। राज्य सरकार हुनकर मांग स्वीकार करैत केंद्र सरकार केँ अनुशंसा पठेबाक घोषणा केने छल।
आब क्षेत्रवासी सभक नजरि सर्वेक्षणक बाद भूमि अधिग्रहण आ निर्माण कार्य शुरू होयबाक दिशा पर टिकल अछि। यदि परियोजना समय पर पूरा होइत अछि, तँ बहुत जल्द बेनीपट्टी-पुपरी क्षेत्रमे ट्रेनक सीटी गूंजत, जे विकास आ समृद्धिक नव इतिहास लिखत।