नई वैश्विक अर्थव्यवस्थाक केंद्र बनत भारत, नई दिल्लीमे होएत ब्लूमबर्ग न्यू इकॉनमी फोरम 2026

मुंबई/न्यूयॉर्क। Bloomberg New Economy Forum 2026 आगामी 13 सँ 15 अक्टूबर 2026 धरि पहिल बेर भारतमे आयोजित होए जा रहल अछि। नई दिल्लीमे होमय वाला एहि प्रतिष्ठित वैश्विक सम्मेलनमे सार्वजनिक आ निजी क्षेत्रक 500 सँ अधिक अंतरराष्ट्रीय हस्ती भाग लेतीह। “अ वर्ल्ड इन प्ले : डिफाइनिंग द न्यू लिवर्स ऑफ पॉवर” विषय पर आधारित एहि आयोजनमे वैश्विक शक्ति संतुलन, तकनीक, ऊर्जा, पूंजी आ आपूर्ति श्रृंखलासँ जुड़ल महत्वपूर्ण मुद्दासभ पर व्यापक चर्चा होएत।

Narendra Modi कहलनि जे भारत एखन निर्णायक मोड़ पर ठाढ़ अछि। हुनकर अनुसार भारत केवल निवेशक गंतव्य नहि, बल्कि विश्वक भविष्य गढ़निहार एक विश्वसनीय साझेदार बनि गेल अछि। प्रधानमंत्री कहलनि जे एहि सम्मेलनक माध्यम सँ दुनियाभरि केँ भारतक नव आर्थिक ऊर्जा आ वैश्विक नेतृत्व क्षमता केँ नजदीक सँ देखबाक अवसर भेटत।

Michael Bloomberg कहलनि जे भारत नवोन्मेष, निवेश आ वैश्विक सप्लाई चेनक केंद्रीय स्तंभ बनि चुकल अछि। हुनकर अनुसार विचार-विमर्श आ वैश्विक साझेदारी लेल नई दिल्ली एक आदर्श मंच सिद्ध होएत।

Bloomberg LP केर भारतमे 30 वर्ष पूरा होबाक अवसर पर आयोजित ई फोरम भारतक बढ़ैत वैश्विक आर्थिक प्रभाव केँ सेहो रेखांकित करत। एहि सम्मेलनमे पूर्व राष्ट्राध्यक्ष, केंद्रीय बैंक प्रमुख, फॉर्च्यून 100 कंपनिक सीईओ आ तकनीकी क्षेत्रक दिग्गज शामिल होतीह। एहि कारण सँ ई आयोजन विश्व अर्थव्यवस्थाक सबसे प्रभावशाली मंचसभमे गिनल जाएत।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *