
मुंबई। भारत हमेशा सँ कला, संगीत, अभिनय आ रचनात्मक प्रतिभाक धरती रहल अछि। छोट शहर स गाम धरि एहन असंख्य युवा छथि, जिनका भीतर अपार प्रतिभा अछि, मुदा सही मंच आ मार्गदर्शनक अभाव मे ओ अपन सपना पूरा नहि क’ पबैत छथि। एहि चुनौती कें अवसर मे बदलय लेल जीआईएफटी स्टूडियोज इंटरटेनमेंट एक नव सोच आ मजबूत विजनक संग आगाँ आबि रहल अछि।
ग्रेट इंडिया फिल्म टेलीविजन के पहल पर शुरू भेल ई प्लेटफॉर्म अभिनेता, गायक, डांसर, कॉमेडियन, परफॉर्मर आ डिजिटल क्रिएटर सभके एक प्रोफेशनल मंच उपलब्ध कराबय दिशा मे काज क’ रहल अछि। संस्थाक उद्देश्य मात्र प्रतिभा के खोज नहि, बल्कि ओकरा प्रशिक्षित क’ वैश्विक स्तर तक पहुँचायब अछि।
पछिला किछु वर्षमे ओटीटी प्लेटफॉर्म, वेब सीरीज, सोशल मीडिया आ डिजिटल कंटेंटक लोकप्रियता तेजी सँ बढ़ल अछि। आब प्रतिभा मुंबई अन्य पैघ शहर धरि सीमित नहि रहल। छोट गामक कलाकार सेहो अपन कला स’ दुनियाभरिक दर्शक सभ तक पहुँचि रहल छथि। गिफ्ट स्टूडियोज इंटरटेनमेंट एहि बदलैत समय मे प्रतिभा आ अवसरक बीच एक मजबूत सेतु बनेबाक प्रयास क’ रहल अछि।
एहि पहलक नेतृत्व क’ रहल छथि अनुभवी फिल्म निर्देशक आ निर्माता मनोज पांड्या, जिनकर तीन दशक सँ अधिक अनुभव भारतीय फिल्म आ टेलीविजन उद्योग मे रहल अछि। फिल्म, टीवी सीरियल, म्यूजिक वीडियो, विज्ञापन आ अंतरराष्ट्रीय प्रोजेक्ट्स मे काज क’ चुकल मनोज पंड्या नव कलाकार सभ कें वास्तविक इंडस्ट्री अनुभव आ सही मार्गदर्शन देबाक लक्ष्य रखने छथि।
संस्थाक मान्यता अछि जे प्रतिभा कें सफल बनेबा लेल केवल मौका नहि, बल्कि सही प्रशिक्षण, मेंटरशिप आ आत्मविश्वास सेहो जरूरी अछि। एहि कारण गिफ्ट स्टूडियोज इंटरटेनमेंट कलाकार सभ केँ प्रोफेशनल एक्सपोजर, क्रिएटिव सपोर्ट आ इंडस्ट्री कनेक्शन उपलब्ध कराबय पर विशेष जोर द’ रहल अछि।
आजुक दर्शक खाली चमक-दमक नहि, बल्कि मौलिकता आ वास्तविक प्रतिभा पसिन्न करैत छथि। चाहे अभिनय हो, गायन, नृत्य वा कॉमेडी, दर्शक नव चेहरा आ अलग अंदाज के तेजी सँ पसंद क’ रहल छथि। एहि बदलैत सोच के ध्यान मे राखैत GIFT Studios Entertainment नव कलाकार सभक लेल भरोसेमंद मंच बनेबाक दिशा मे आगाँ बढ़ि रहल अछि।
ई पहल केवल मनोरंजन उद्योग तक सीमित नहि, बल्कि एक सांस्कृतिक बदलावक संकेत सेहो मानल जा रहल अछि, जतय भारतक छुपल प्रतिभा आब खुलिक’ दुनियाक सामने आबि रहल अछि।