Canara HSBC Life Insurance Company Limited द्वारा FY 2025-26 लेल 271 करोड़ रुपैयाक बोनसक घोषणा, 2.33 लाख पॉलिसीधारक लाभान्वित

नई दिल्ली : Canara HSBC Life Insurance Company Limited वित्तीय वर्ष 2025-26 लेल 271 करोड़ रुपैयाक बोनसक घोषणा कएने अछि। एहि घोषणासँ 31 मार्च 2026 धरि कंपनीक सहभागी (PAR) पॉलिसी राखनिहार लगभग 2.33 लाख पॉलिसीधारक लाभान्वित हेताह।

कंपनीक ई बोनस ओकर मजबूत वित्तीय आधार, संतुलित निवेश रणनीति आ दीर्घकालिक मूल्य सृजनक प्रतिबद्धताकेँ दर्शबैत अछि। लगातार बेहतर प्रदर्शनक बल पर एहि बेरक बोनस पाछिला वर्षक तुलना मे 8.31 प्रतिशत अधिक अछि, जाहिसँ पॉलिसीक समग्र मूल्य मे वृद्धि होयत।

31 मार्च 2026 धरि प्रभावी सभ सहभागी पॉलिसी एहि बोनस लेल पात्र छथि। घोषित राशि पॉलिसी लाभमे जोड़ल जाएत आ पॉलिसीक शर्त अनुसार परिपक्वता (मैच्योरिटी), समर्पण (सरेंडर) अथवा अन्य लाभ घटनाक समय भुगतान कएल जाएत। एहि सँ पॉलिसीधारकसभकेँ अपन वित्तीय यात्राक दौरान निरंतर लाभ भेटैत रहत।

एहि अवसर पर कंपनीक प्रबंध निदेशक आ मुख्य कार्यकारी अधिकारी Anuj Mathur कहलनि, “एहि वर्षक बोनस घोषणा हमरा सभक पॉलिसीधारकसभ लेल स्थायी मूल्य निर्माणक प्रतिबद्धताकेँ दर्शबैत अछि। ई हमर मजबूत वित्तीय स्थिति, विवेकपूर्ण निवेश रणनीति आ निरंतर टिकाऊ विकासक प्रमाण अछि। हम अपन ग्राहकसभक बदलैत आवश्यकता अनुसार भरोसेमंद आ लाभदायक समाधान देबाक लेल प्रतिबद्ध छी।”

हुनका कहलनि जे ग्राहकसभक भरोसा आ सहयोगे कंपनीकेँ प्रतिदिन बेहतर करबाक प्रेरणा दैत अछि।

जीवन बीमा उद्योगमे सहभागी अथवा ‘विद प्रॉफिट’ योजना अंतर्गत बीमा कंपनी अपन मुनाफाक एक हिस्सा बोनसक रूपमे पॉलिसीधारकसभ संग साझा करैत अछि। ई बोनस प्रत्येक वित्तीय वर्ष जमा होइत अछि आ पॉलिसीक परिपक्वता, मृत्यु दावा अथवा समर्पणक समय वितरित कएल जाइत अछि। किछु विशेष पॉलिसी शर्त अनुसार नकद बोनसक भुगतान सेहो कएल जाइत अछि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *