
मुंबई। भारतीय सिनेमा मे पौराणिक कथा आ सांस्कृतिक मूल्य आधारित फिल्म सभक बढ़ैत लोकप्रियताक बीच ‘कृष्णावतारम् पार्ट 1 द हार्ट (हृदयम्)’ दर्शक सभक बीच विशेष पहचान बना रहल अछि। ई फिल्म केवल मनोरंजनक साधन नहि, बल्कि भक्ति, भावना आ भारतीय संस्कृतिक गहराइ केँ आधुनिक सिनेमाई अंदाज मे प्रस्तुत करैत एक आध्यात्मिक अनुभव बनि कऽ उभरल अछि।
निर्माता सज्जन राज आ निर्देशक हार्दिक गज्जरक एहि फिल्म मे भगवान श्रीकृष्णक जीवन-दर्शन, संस्कार आ सनातन मूल्य सभ केँ प्रभावशाली ढंग सँ प्रस्तुत कएल गेल अछि। फिल्मक उद्देश्य नव पीढ़ी केँ भारतीय परंपरा आ आध्यात्मिक चेतना सँ जोड़नाय अछि।
फिल्मक हर दृश्य मे भव्यता साफ देखाइ पड़ैत अछि। शानदार विजुअल्स, मधुर संगीत आ भावनात्मक प्रस्तुति दर्शक सभ केँ एक दिव्य यात्रा पर लऽ जाइत अछि। सोशल मीडिया सँ लऽ कए गूगल रिव्यू धरि दर्शक सभ एकरा “भक्ति आ भारतीय संस्कृतिक अद्भुत संगम” कहि सराहना कऽ रहल छथि।
दर्शक सभक अनुसार, ई फिल्म पूरा परिवार लेल एक संग बैसि देखबाक अनुभव प्रदान करैत अछि। बहुतो दर्शक कहलनि जे बच्चा सभ केँ अपन माता-पिता आ दादा-दादी संग ई फिल्म अवश्य देखबाक चाही, जाहिसँ ओ भारतीय संस्कार आ परंपराक भावनात्मक महत्व केँ बेहतर ढंग सँ बुझि सकथि।
फिल्मक प्रोमो आध्यात्मिक आ संगीत जगतक प्रतिष्ठित हस्ती सभ केँ सेहो प्रभावित कएने अछि। आध्यात्मिक गुरु श्री श्री रविशंकर फिल्मक आध्यात्मिक भावनाक प्रशंसा कएलनि, जखनकि प्रसिद्ध गायक अनूप जलोटा एकर भक्ति भाव आ भव्य प्रस्तुति केँ सराहलनि। एकरा अतिरिक्त प्रेमानन्द जी महाराज सेहो एकरा भारतीय संस्कृति आ सनातन मूल्य सँ जुड़ल महत्वपूर्ण सिनेमाई प्रस्तुति बतौलनि।
मीडिया आ समीक्षक सभ सेहो फिल्मक तकनीकी गुणवत्ता, भावनात्मक गहराई आ सांस्कृतिक प्रस्तुति केँ खुलिकए प्रशंसा कऽ रहल छथि। हुनकर मानब अछि जे ‘कृष्णावतारम् पार्ट 1 द हार्ट’ आइक युवा पीढ़ी लेल केवल फिल्म नहि, बल्कि भारतीय संस्कृति सँ जुड़बाक एक सशक्त भावनात्मक आ आध्यात्मिक सेतु अछि।