पटना सामूहिक दुष्कर्म कांड मे पुलिसक पैघ सफलता, दू आरोपी गिरफ्तार

पटना। राजधानी पटना मे नाबालिग संग भेल सामूहिक दुष्कर्मक सनसनीखेज मामला मे पुलिस केँ महत्वपूर्ण सफलता भेटल अछि। त्वरित कार्रवाई करैत पुलिस दू आरोपी केँ गिरफ्तार कऽ लेने अछि। गिरफ्तार आरोपी सभ केँ पुलिस अभिरक्षामे रखि गहन पूछताछ कएल जा रहल अछि।

पुलिस सूत्रक अनुसार, विशेष टीम गठित कऽ लगातार छापेमारी अभियान चलाओल गेल, जाहि दौरान तकनीकी साक्ष्य आ गोपनीय सूचनाक आधार पर आरोपी सभ धरायल। प्रारंभिक पूछताछ मे कई महत्वपूर्ण जानकारी सामने आबि रहल अछि, जाहि आधार पर जांचक दायरा बढ़ाओल जा रहल अछि।

घटना 15 वर्षीय नाबालिग संग कथित सामूहिक दुष्कर्म सँ जुड़ल अछि। आरोप अछि जे अपराधी सभ लड़की केँ बहला-फुसलाकऽ अपन कब्जामे लेने छल आ दू दिन धरि अलग-अलग स्थान पर ओकर संग अमानवीय व्यवहार कएल गेल। पीड़िताक तबीयत बिगड़ला आ अत्यधिक रक्तस्राव शुरू भेला बाद आरोपी ओकरा छोड़ि फरार भऽ गेल छल।

पीड़िताक इलाज फिलहाल पटना मेडिकल कॉलेज अस्पताल मे चलि रहल अछि। डॉक्टर सभक टीम ओकर स्वास्थ्य पर लगातार नजरि रखने छथि। पुलिस पीड़िताक बयानक आधार पर मामला दर्ज कऽ कार्रवाई तेज कऽ देने अछि।

पुलिस अधिकारी कहलनि जे एहि जघन्य अपराधमे संलिप्त आन लोकक पहचान करबाक प्रयास जारी अछि आ बहुत जल्दि सभ आरोपी कानूनक गिरफ्तमे होएत। अधिकारी स्पष्ट कहलनि जे दोषी सभ केँ कोनो हालतमे बख्शल नहि जाएत।

एहि गिरफ्तारीक बाद स्थानीय लोकमे राहतक भावना अछि, मुदा संगहि दोषी सभ लेल कठोर सँ कठोर सजा देबाक मांग सेहो तेज भऽ गेल अछि। सामाजिक संगठन सभ एहि घटनाक तीव्र निंदा करैत नाबालिग सभक सुरक्षा लेल कड़ा व्यवस्था करबाक मांग केने छथि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *