माता सीता मेडिकल कॉलेज बनतै सीतामढ़ी के नब पहचान, सम्राट कैबिनेट के निर्णय

पटना: बिहार सरकार द्वारा सीतामढ़ी के मेडिकल कॉलेज के नाम बदलि क’ आब “माता सीता मेडिकल कॉलेज” करबाक प्रस्ताव के स्वीकृति देल गेल अछि। सम्राट चौधरी कैबिनेट बैठक मे ई महत्वपूर्ण निर्णय लेल गेल, अहि निर्णय के क्षेत्र के सांस्कृतिक आ धार्मिक पहचान के और मजगूत करबाक प्रयास मानल जा रहल अछि।
20 प्रस्ताव अनुमोदित, विकास के दिशा मे पहल
कैबिनेट बैठक मे कुल 20 प्रस्ताव के मंजूरी देल गेल। राज्य के आधारभूत ढांचा मजबूत करबाक दिशा मे पटना एयरपोर्ट विस्तार लेल बियाडा के 1.85 एकड़ जमीन भारतीय विमानपत्तन प्राधिकरण के निःशुल्क हस्तांतरण करबाक निर्णय सेहो लेल गेल अछि।
बुजुर्ग आ दिव्यांग लेल ई-वोटिंग सुविधा
लोकतंत्र के सशक्त बनाबय लेल नगर निकाय चुनाव मे ई-वोटिंग लागू करबाक स्वीकृति देल गेल अछि। आब वरिष्ठ नागरिक, दिव्यांग आ गंभीर रूप स बीमार मतदाता घर बैसल वोट द’ सकताह। एहि योजना लेल C-DAC, हैदराबाद के एजेंसी नियुक्त कएल गेल अछि, जाहि पर करीब 31.45 लाख रुपैया खर्च होयत।
6 शहर मे 400 इलेक्ट्रिक बस
पर्यावरण अनुकूल परिवहन के बढ़ावा देबाक लेल ‘पीएम ई-बस सेवा योजना’ अंतर्गत 400 एसी इलेक्ट्रिक बस चलेबाक स्वीकृति देल गेल अछि। अहि निर्णय के अनुसार पटना मे 150,
मुजफ्फरपुर, भागलपुर, गया, दरभंगा आ पूर्णिया मे 50-50 बस चलाओल जायत।
ई बस सभ 2026-27 स 12 साल धरि परिचालित होयत। राज्य सरकार एकरा लेल 517.16 करोड़ रुपैया सब्सिडी मंजूर कएलक अछि।

शिक्षा क्षेत्र मे पहल
बीआईटी मेसरा, रांची के पटना विस्तार केंद्र लेल MoU अवधि के विस्तार के सेहो मंजूरी देल गेल अछि।

“माता सीता मेडिकल कॉलेज” के नामकरण स शुरू भेल ई कैबिनेट के निर्णय सभ बिहार मे सांस्कृतिक पहचान, डिजिटल लोकतंत्र आ हरित विकास के एक संग आगे बढ़ाब’ के संकेत दैत अछि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *