
मुंबई। बॉलीवुडमे चर्चा अक्सर आधिकारिक घोषणा सँ बेसी तेजी सँ फैलैत अछि आ एहि बेर ई चर्चा अभिनेत्री उर्वशी रौतेला केँ सीधे सुर्खीक केंद्रमे लऽ आबने अछि। कोनो आधिकारिक पुष्टि नहि होएबाक बावजूद उर्वशीक नाम बहुप्रतीक्षित फिल्म ‘धूम 4’ सँ जोड़ल जा रहल अछि।
यशराज फिल्म्स अथवा निर्माता आदित्य चोपड़ा दिस सँ एहि संबंधमे कोनो आधिकारिक बयान नहि देल गेल अछि, मुदा सोशल मीडियापर फैनसभ अपन पसंद खुलिकऽ जाहिर कए रहल छथि। खास कऽ रणबीर कपूर केर संभावित लीड रोलक चर्चाक बीच उर्वशी संग हुनकर जोड़ी केँ लऽ जबरदस्त उत्साह देखल जा रहल अछि।
दिलचस्प बात ई अछि जे ई पूरा ट्रेंड फैनसभक बीच सँ उभरल अछि। सोशल मीडिया पर फैन एडिट्स, कास्टिंग पोल्स आ लगातार होइत चर्चासभ उर्वशी केँ एकटा ग्लैमरस आ एक्शन-रेडी विकल्पक रूपमे स्थापित कएने अछि।
फैनसभक मानब अछि जे उर्वशीक दमदार स्क्रीन प्रेजेंस, आत्मविश्वास आ ग्लोबल अपील ‘धूम’ फ्रेंचाइज़ीमे नव ऊर्जा भरि सकैत अछि।
हालाँकि आब देखबाक बात ई रहत जे ई फैन-ड्रिवन क्रेज वास्तवमे हकीकत बनैत अछि कि नहि, मुदा फिलहाल एकटा बात स्पष्ट अछि—‘धूम 4’ लेल उर्वशी रौतेलाक नाम सबसे बेसी चर्चा मे अछि।