₹16.99 लाख सँ शुरू भेल TATA.ev Curvv.ev SeriesX, 502 किलोमीटरक रेंज संग भारतमे लॉन्च

मुंबई: भारतक अग्रणी चारिचक्का इलेक्ट्रिक वाहन निर्माता TATA.ev अपन नवका Curvv.ev SeriesX लॉन्च कएने अछि। कंपनी इलेक्ट्रिक मोबिलिटीमे प्रदर्शन, आराम आ भरोसेमंद अनुभव चाहनिहार ग्राहकक लेल दूटा प्रीमियम लॉन्ग-रेंज वैरिएंट पेश केने अछि।

नव लाइनअपक शुरुआती कीमत ₹16.99 लाख (एक्स-शोरूम, मुंबई) राखल गेल अछि। एहि सीरीजमे Accomplished X 55Empowered X 55 वैरिएंट शामिल अछि। कंपनी Nitro Crimson नामक नव रंग विकल्प सेहो पेश केने अछि, जेकरा संग लोकप्रिय #DARK एडिशन उपलब्ध रहत।

55 kWh बैटरी पैक सँ लैस Curvv.ev SeriesX ARAI प्रमाणित 502 किलोमीटरक रेंज देत अछि। वास्तविक परिस्थितिमे ई लगभग 400 किलोमीटर धरि चलबाक क्षमता रखैत अछि, जाहिसँ इंटरसिटी यात्रा बेझिझक संभव भऽ सकत। ग्राहकक भरोसा बढ़ेबाक लेल TATA.ev पहिल मालिक लेल लाइफटाइम हाई-वोल्टेज बैटरी वारंटी सेहो दैत अछि।

कीमत (एक्स-शोरूम, मुंबई)

  • Accomplished X 55 – ₹16.99 लाख
  • Empowered X 55 – ₹19.19 लाख
  • Empowered X 55 #DARK – ₹19.49 लाख

लॉन्च अवसर पर टाटा पैसेंजर इलेक्ट्रिक मोबिलिटी लिमिटेडक मुख्य वाणिज्यिक पदाधिकारी विवेक श्रीवत्स कहलनि जे Curvv.ev SeriesX इलेक्ट्रिक मोबिलिटीकेँ बेसी सुलभ, आकर्षक आ तनावमुक्त बनाबए लेल डिजाइन कएल गेल अछि।

ओ कहलनि जे 55 kWh बैटरी, 502 किलोमीटरक रेंज आ लाइफटाइम बैटरी वारंटी संग ई भारतक पहिल SUV Coupé अछि, जे ग्राहककेँ प्रीमियम फीचर आ दमदार वैल्यू प्रदान करैत अछि।

टाटाक अत्याधुनिक acti.ev प्योर EV आर्किटेक्चर पर आधारित ई गाड़ी 167 HP पावर215 Nm इंस्टैंट टॉर्क प्रदान करैत अछि, जाहिसँ शहर आ हाईवे दुनूमे शानदार ड्राइविंग अनुभव भेटत।

Accomplished X 55 केर खास फीचर

  • ओपनएबल पैनोरमिक सनरूफ
  • डुअल 26.03 सेमी डिजिटल डिस्प्ले
  • वायरलेस Android Auto आ Apple CarPlay
  • 360 डिग्री कैमरा
  • ब्लाइंड-स्पॉट मॉनिटर
  • प्रीमियम लेदरेट अपहोल्स्ट्री
  • वेंटिलेटेड कम्फर्ट सीट

Empowered X 55 केर प्रीमियम फीचर

  • फ्रंट सीट एक्टिव वेंटिलेशन
  • 6-वे पावर एडजस्टेबल ड्राइवर सीट
  • 31.24 सेमी HARMAN सिनेमैटिक टचस्क्रीन
  • JBL 9-स्पीकर साउंड सिस्टम
  • 20 सुरक्षा फीचर संग Level-2 ADAS
  • जेस्चर कंट्रोल्ड पावर्ड टेलगेट
  • Vehicle-to-Vehicle आ Vehicle-to-Load सुविधा
  • स्मार्ट लाइटिंग एनिमेशन

Curvv.ev SeriesX केर लॉन्च सँ TATA.ev भारतक मिड-साइज इलेक्ट्रिक SUV बाजारमे अपन पकड़ आरो मजबूत करबाक लक्ष्य रखैत अछि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *