
पटना। डेयरी, मत्स्य पालन आ पशुपालन विभागक सचिव श्री कपिल अशोक शीर्षत सँ लोक जनशक्ति पार्टीक युवा राष्ट्रीय उपाध्यक्ष सह प्रवक्ता डॉ. विभय कुमार झा पटना स्थित विकास भवनमे शिष्टाचार भेंट केलनि। एहि अवसर पर मिथिला क्षेत्रक समग्र विकास, विशेष कए मत्स्य पालन क्षेत्रमे मौजूद संभावना आ एकरा नव ऊँचाइ धरि पहुँचाबय लेल विस्तृत चर्चा भेल।
भेंटक दौरान डॉ. विभय कुमार झा मिथिलामे मत्स्य पालनक तेजी सँ बढ़ैत संभावना पर चर्चा करैत भरोसा जतौलनि जे सचिव श्री कपिल अशोक शीर्षत केर कार्यकालमे ई क्षेत्र मत्स्य उत्पादनक क्षेत्रमे नव मानक स्थापित करत। हुनका कहलनि जे सरकारक योजना आ प्रशासनिक प्रतिबद्धताक बल पर मिथिलाकेँ मत्स्य पालनक एक सशक्त केंद्रक रूपमे विकसित कयल जा सकैत अछि।
लोजपा युवा नेता डॉ. विभय कुमार झा विभागीय सचिव कपिल अशोक शीर्षत सँ केलनि शिष्टाचार भेंट
एकटा प्रश्नक जवाबमे डॉ. झा कहलनि जे बिहार राज्य रोड डेवलपमेंट कॉरपोरेशनक प्रबंध निदेशक आ 2011 बैचक आईएएस अधिकारी श्री कपिल अशोक शीर्षत सँ हुनकर वर्षौं पुरान आत्मीय संबंध रहल अछि। हुनका कहलनि जे श्री शीर्षत सदिखन समाज आ क्षेत्रक विकास लेल समर्पित रहल छथि।
डॉ. झा बतौलनि जे अपन गृह जिलामे जिलाधिकारीक रूपमे श्री कपिल अशोक शीर्षत उल्लेखनीय काज केने छलाह। विकास परियोजनाकेँ गति देबाक संग-संग हुनका मिथिलाक समृद्ध कला-संस्कृतिक संरक्षण आ संवर्धनकेँ सेहो प्राथमिकता देने छलाह, जाहिक चर्चा आइयो क्षेत्रमे होइत अछि।
हुनका कहलनि जे महाराष्ट्रक मूल निवासी बिहार कैडरक आईएएस अधिकारी श्री कपिल अशोक शीर्षत मधुबनीक अतिरिक्त मोतिहारी आ पटना जिलाक जिलाधिकारीक रूपमे सेहो अपन प्रशासनिक दक्षताक परिचय दऽ चुकल छथि। प्रत्येक स्थान पर हुनकर शालीनता, व्यवहार-कुशलता आ संवेदनशील प्रशासनिक शैलीक सराहना होइत रहल अछि।
डॉ. झा विश्वास व्यक्त केलनि जे डेयरी, मत्स्य पालन आ पशुपालन विभागमे हुनकर नेतृत्वमे बिहार, विशेष रूप सँ मिथिला क्षेत्र, विकासक नव आयाम स्थापित करत।