
नई दिल्ली। प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी स्वतंत्रता सेनानी आ पूर्व उपप्रधानमंत्री जगजीवन राम कें 112वीं जयंती पर रविदिन हुनका श्रद्धांजलि देलाह। नरेंद्र मोदी ट्वीट केलाह आ लिखलाह जे गरीब, वंचित आओर पीड़ितक अधिकारक लेल संघर्ष करय वाला स्वतंत्रता सेनानी बाबू जगजीवन राम जी कें हुनक जयंती पर विनम्र श्रद्धांजलि।’’
बता दी जे बाबूजी के नाम स लोकप्रिय जगजीवन राम अपन सगरो जीवन वंचितक अधिकारक लेल संघर्ष केलाह। जगजीवन राम कें जन्म पांच अप्रैल 1908 क बिहार के भोजपुर जिला मे भेल रहैन्ह आ छह जुलाई 1986 कय हुनक निधन भेल रहैन्ह।