
मुंबई। भारतीय बैंकिंग क्षेत्र में मजबूती आ संतुलित विकासक मिसाल पेश करैत Union Bank of India वित्तीय वर्ष 2025-26 में शानदार प्रदर्शन दर्ज केलक अछि। बढ़ैत आमदनी, सुधरत एसेट क्वालिटी आ मजबूत पूंजी आधारक बल पर बैंक ₹18,697 करोड़क प्रभावशाली मुनाफा हासिल क’ निवेशक सभक भरोसा केओर ऊँचाई पर पहुंचा देलक अछि।
बैंकक परिणाम एहि बातक संकेत दैत अछि जे रणनीतिक विस्तार, आरएएम (रिटेल, एग्रीकल्चर आ एमएसएमई) सेगमेंट में मजबूत पकड़ आ सटीक जोखिम प्रबंधन नीति एकरा स्थिर आ भरोसेमंद वित्तीय संस्था के रूप में आरो मजबूत बना रहल अछि। बैंक द्वारा प्रति शेयर ₹5 के आकर्षक लाभांश (डिविडेंड) के सिफारिश शेयरधारक सभ लेल मूल्य सृजनक स्पष्ट संकेत दैत अछि।
तेजी सँ बढ़ैत कारोबार, घटैत एनपीए आ बेहतर रिटर्न रेशियो के संग यूनियन बैंकक ई प्रदर्शन मात्र आंकड़ा नहि, बल्कि बदलैत आर्थिक माहौल में एकटा सशक्त आ भरोसेमंद बैंकक पहचान के दर्शाबैत अछि, जे निरंतर प्रगतिक दिशा में अग्रसर अछि।