
नई दिल्ली। उत्तरी दिल्ली नगर निगम के पूर्व उपमहापौर आ वार्ड नंबर 20 के निगम पार्षद विजय भगत अपन क्षेत्र में सदिखन सेवा आ अन्नदान के काज करैत रहैत छथि। मूल रूप सं सहरसा कें रहनिहार विजय भगत पछिला चारि दशक सं दिल्ली मे रहि कय सामाजिक आ राजनीतिक क्षेत्र मे सदति सक्रिय छथि। कोनहु टा प्रवासी मजदूर अथवा स्थानीय निवासी भूखल नहि रहय, एकरा लेल हुनकर पूरा टीम दिन-रात एक कयने अछि।

निगम पार्षद विजय भगत कहैत छथ जे हमरा बड प्रसन्नता होइत अछि जे हमर वार्ड के युवा सभ हमर मनक गप्प बुझलक। हम जे व्यवस्था करेने छियैक, ओकरा ओ सभ जमीन पर साकार कय रहल अछि। हमर क्षेत्र मे किओ टा व्यक्ति भूखल नहि रहय, एकर पूरा जतन हम सभ कए रहल छी।