
नई दिल्ली। होर्मुज स्ट्रेट स’ गुजर रहल दू भारतीय व्यापारी जहाज पर शनिवार दुपहरिया फायरिंग क’ घटना सामने आयल अछि। एहि जहाज सभ मे एकटा तेल टैंकर सेहो शामिल छल। घटना क’ बाद दुनू जहाज स्ट्रेट पार कए बिना वापस लौटि गेल। राहत क’ बात ई रहल जे जहाज आ ओकर सभ क्रू मेंबर सुरक्षित छथि।
न्यूज एजेंसी ANI क’ अनुसार, ईरान रिवोल्यूशनरी गार्ड क’ दूटा गनबोट अचानक टैंकर सभ क’ नजदीक पहुंचल आ बिना कोनो रेडियो चेतावनी क’ फायरिंग शुरू क’ देलक। एहि अप्रत्याशित कार्रवाई क’ बाद भारतीय जहाज सभ के वापस लौटबाक निर्णय लेबाक पड़ल। जानकारी अनुसार, एकटा जहाज करीब 20 लाख बैरल इराकी तेल ल’ क’ जा रहल छल।
घटना क’ बाद विदेश मंत्रालय कड़ा रुख अपनबैत भारत मे तैनात ईरान क’ राजदूत डॉ. मोहम्मद फथअली के तलब क’ क’ एहि घटना पर आधिकारिक विरोध दर्ज करायल गेल। गौरतलब अछि जे ईरान एहि दिन होर्मुज स्ट्रेट के बंद करबाक घोषणा सेहो केने छल। ईरान क’ आरोप छल जे संयुक्त राज्य अमेरिका सीजफायर क’ उल्लंघन क’ रहल अछि, मुदा 24 घंटा क’ भीतर अपन एहि फैसला मे बदलाव क’ देलक।
एहि बीच UKMTO यानी ब्रिटेन क’ मेरिटाइम ट्रेड ऑपरेशन सेंटर जानकारी देलक जे जे टैंकर पर फायरिंग भेल, ओ जहाज आ ओकर क्रू फिलहाल सुरक्षित अछि। हालांकि, ओ जहाज क’ नाम या ओ कतए जा रहल छल, एकर खुलासा नहि कएल गेल।
ओतहि TankerTrackers.com नामक वेबसाइट, जे समुद्र मे जहाज सभ क’ लोकेशन ट्रैक करैत अछि, बतौलक जे दू भारतीय जहाज हुरमुस की खाड़ी स’ गुजरबाक कोशिश करैत छल। फायरिंग क’ खबर मिलिते दुनू जहाज अपन रास्ता बदलि क’ वापस मुड़ि गेल।