लोजपा युवा नेता डॉ. विभय कुमार झा के मुख्यमंत्री सम्राट चौधरी सँ औपचारिक भेंट

पटना। लोजपा (Lok Janshakti Party) रामविलास के युवा राष्ट्रीय उपाध्यक्ष सह प्रवक्ता डॉ. विभय कुमार झा (Dr Vibhay Kumar Jha) शुक्रदिन बिहार के नव नियुक्त मुख्यमंत्री सम्राट चौधरी (Samrat Choudhary) सँ औपचारिक मुलाकात कएलनि।

एहि अवसर पर डॉ. विभय कुमार झा मिथिला के समृद्ध परंपरा अनुसार मुख्यमंत्री के पाग, अंगवस्त्र आ गुलदस्ता भेंट क’ सम्मानित कएलनि। ई भेंट मिथिला के सांस्कृतिक गौरव आ सम्मानक प्रतीक मानल जाइत अछि।

मुलाकातक दौरान युवा नेता आ सामाजिक संस्था Abhyuday के अध्यक्ष डॉ. झा मिथिला क्षेत्रक समग्र विकास आ युवासभक रोजगारक मुद्दा पर विस्तार सँ चर्चा कएलनि।

ओ कहलनि जे क्षेत्र में रोजगारक नव अवसर सृजित करब, शिक्षा व्यवस्था के सशक्त बनाब’ आ आधारभूत संरचना के मजबूत करब समयक प्रमुख आवश्यकता अछि। एहि दिशा में सरकारक सक्रिय पहल जरूरी अछि, जाहिसँ मिथिला क्षेत्रक युवासभ के अपन राज्य में बेहतर अवसर भेटि सकय।

मुख्यमंत्री सम्राट चौधरी सेहो एहि विषयसभ पर सकारात्मक पहल करबाक भरोसा देलनि आ कहलनि जे सरकार क्षेत्रीय विकास आ युवासभक भविष्य के प्राथमिकता देत।

राजनीतिक आ सामाजिक दृष्टि सँ एहि मुलाकात के मिथिला विकास आ युवासभक हित सँ जुड़ल एक महत्वपूर्ण संवादक रूप में देखल जा रहल अछि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *