सुलभ डेवलपमेंट फोरमक शुरुआत

दरभंगा। प्रख्यात समाज सुधारक पद्म विभूषण स्वर्गीय डॉ. बिंदेश्वर पाठक केर विरासत कें आगाँ बढ़बैत सुलभ इंटरनेशनल सोशल सर्विस ऑर्गनाइजेशन आइ “सुलभ डेवलपमेंट फोरम” केर शुरुआत कएलक। एहि पहल केर उद्देश्य सामुदायिक विकास मे महिलासभक भागीदारी कें बढ़ेबाक अछि।
एहि अवसर पर दरभंगा मे दू दिनक सम्मेलन केर शुभारंभ कएल गेल, जाहि मे विकास क्षेत्रक विशेषज्ञ आ सामाजिक वैज्ञानिक सभ बड़ संख्या मे भाग लेलथि। कार्यक्रमक उद्घाटन राज्यसभा सांसद आ बिहार भाजपा महिला मोर्चा केर अध्यक्ष डॉ. धर्मशीला गुप्ता, सुलभ इंटरनेशनल केर प्रेसिडेंट श्री कुमार दिलीप आ कार्यकारी संयोजक श्रीमती नित्या पाठक संयुक्त रूप सँ कएलनि।
अपन संबोधन मे डॉ. धर्मशीला गुप्ता सुलभ इंटरनेशनल द्वारा स्वच्छता आ सामाजिक सेवा केर क्षेत्र मे कएल गेल योगदान कें सराहना कएलनि आ प्रधानमंत्री श्री नरेंद्र मोदी द्वारा शुरू कएल गेल योजनासभक उल्लेख कएलनि। ओ सार्वजनिक स्थानसभ पर अधिक सुलभ शौचालय केर आवश्यकता पर सेहो जोर देलनि।
श्री कुमार दिलीप कहलनि जे सुलभ द्वारा महिला-नेतृत्व वाला कृषि कार्यक्रम कें बढ़ावा देल जा रहल अछि, जाहि मे सामुदायिक बीज बैंक केर माध्यम सँ महिलासभ कें सशक्त बनाओल जा रहल अछि। हुनका अनुसार विकास समग्र होयबाक चाही आ ई तखने संभव अछि जखन स्थानीय समुदायक भागीदारी सुनिश्चित होए।
वाइस प्रेसिडेंट श्री सुतीर्थ सहारिया बतौलनि जे उत्तर बिहार केर पहचान सँ जुड़ल मखाना उत्पादन कें बढ़ावा देल जा रहल अछि, खास क’ महिला किसानसभक माध्यम सँ। संगहि मिथिला पेंटिंग सँ जुड़ल महिलासभ कें सीधा बाजार सँ जोड़बाक पहल कएल जा रहल अछि, जाहि सँ हुनका सभ कें उचित पहचान आ आमदनी भेट सकए।
एहि दौरान डॉ. बॉबी लूथरा सिन्हा मधुबनी आ दरभंगा केर सात गाम मे कएल गेल अध्ययनक प्रारंभिक निष्कर्ष प्रस्तुत कएलनि, जे “वन हेल्थ” दृष्टिकोण पर आधारित अछि।
कार्यक्रमक अंत मे श्रीमती नित्या पाठक धन्यवाद ज्ञापन देत कहलनि जे सुलभ बिहार मे महिलासभ कें डिजिटल सशक्तिकरण लेल प्रशिक्षण द’ रहल अछि, जाहि सँ हुनका रोजगारक अवसर भेट रहल अछि। संगहि, बिहार मे सार्वजनिक स्थानसभ पर सुलभ शौचालयक विस्तार लेल प्रयास जारी अछि।
ई सम्मेलन संवाद, ज्ञान साझा करबाक आ समेकित विकास लेल ठोस समाधान खोजबाक दृष्टि सँ एक महत्वपूर्ण मंच साबित भ’ रहल अछि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *