
नई दिल्ली: झंझारपुर लोकसभा क्षेत्रक सांसद Ramprit Mandal विभिन्न रेल मुद्दा के ल’ प्रतिनिधिमंडल संग केंद्रीय रेल मंत्री Ashwini Vaishnaw सँ भेंट क’ हुनका समस्या सँ अवगत करौलनि आ शीघ्र समाधानक मांग केलनि। एहि दौरान क्षेत्र मे रेल सुविधा विस्तार आ आधुनिकीकरण सँ जुड़ल कतेको महत्वपूर्ण प्रस्ताव सेहो राखल गेल।
सांसद Ramprit Mandal बतौलनि जे झंझारपुर जंक्शन के नवंबर 2024 मे अमृत भारत स्टेशन योजना मे शामिल कएल गेल छल, मुदा लगभग एक बरिस बीतला के बादो एतय कियो काज शुरू नहि भेल अछि। स्टेशन पर यात्री सभ लेल बुनियादी सुविधा के अभाव अछि, खास क’ प्लेटफॉर्म सभ के बीच आवाजाही लेल फुटओवर ब्रिज नहि अछि। एहिठाम स्टेशन पुनर्विकास, हाई मास्ट लाइट, कोच इंडिकेटर डिस्प्ले, एसी प्रतीक्षालय आ अन्य सुविधा के जल्द निर्माणक मांग कएल गेल।
एहि संगहि लौकहा बाजार रेलवे स्टेशन पर वाशिंग पिट, स्टेबलिंग लाइन आ पिट लाइन निर्माण प्रक्रिया शुरू करबाक आवश्यकता पर जोर देल गेल। नेपाल सीमा सँ सटल एहि अंतिम रेलवे स्टेशन के विकास सँ दरभंगा स्टेशन पर बढ़ैत दबाव कम होयत आ ट्रेन विस्तार मे मदद भेटत।
प्रतिनिधिमंडल लौकहा बाजार–आनंद विहार स्पेशल ट्रेन (04013/04014) के नियमित करबाक मांग सेहो उठौलनि। संगहि लौकहा सँ पटना वाया दरभंगा एकटा नव नियमित ट्रेन चलाबए के प्रस्ताव देल गेल।
सांसद दरभंगा सँ चलए वाली जननायक एक्सप्रेस (15211/15212) आ सीतामढ़ी–दिल्ली अमृत भारत एक्सप्रेस (14047/48) के लौकहा बाजार धरि विस्तार करबाक मांग प्रमुखता सँ रखलनि, किएक त’ ई ट्रेन सभ गंतव्य स्थान पर लंबा समय धरि ठाढ़ रहैत अछि। एहि संगहि जयनगर–आनंद विहार गरीब रथ एक्सप्रेस (12435/12436), जे एखन सप्ताह मे मात्र दू दिन चलैत अछि, ओकरा प्रतिदिन चलाबए के मांग सेहो कएल गेल, जाहि सँ बढ़ैत यात्री संख्या के बेहतर सुविधा भेटि सकय।
एहि अतिरिक्त झंझारपुर आ घोंघरडीहा मे जलजमाव समस्या के समाधान, तमुरिया, राजनगर आ खजौली रेलवे स्टेशन पर सभ ट्रेनक ठहराव बढ़ेबाक मांग सेहो रखल गेल।
प्रतिनिधिमंडल कहलनि जे झंझारपुर लोकसभा क्षेत्रक बढ़ैत आवश्यकता के मद्देनजर ई पहल अत्यंत महत्वपूर्ण अछि आ एहि सँ क्षेत्र मे रेल सेवा के नव गति भेटत। हुनका सभ स्पष्ट कहलनि जे जनहित हुनकर सर्वोच्च प्राथमिकता अछि। एहि दौरान माननीय सांसद Sunil Kumar सेहो उपस्थित छलाह।