एसकेए ग्रीन आर्च सोसाइटी में हेल्थ एंड वेलनेस केयर सेंटर के शुभारंभ

ग्रेटर नोएडा वेस्ट: एसकेए ग्रीन आर्च सोसाइटी परिसर में आइ दिन यथार्थ सुपर स्पेशलिटी हॉस्पिटल आ एओए के सहयोग सँ “ग्रीनआर्च हेल्थ एंड वेलनेस केयर सेंटर” के स्थापना कएल गेल। कार्यक्रम के शुरुआत यज्ञ आ मंत्रोच्चार सँ कएल गेल।

एहि अवसर पर मुख्य अतिथि श्री एल. एन. झा (एसकेए बिल्डर) मेडिकल रूम के अउर बेहतर बनाबय लेल किछु आवश्यक चिकित्सा उपकरण दान स्वरूप सोसाइटी के उपलब्ध करेलनि। सोसाइटी के पदाधिकारी सभ हुनकर एहि योगदान के सराहना करैत कहलनि जे ई कदम स्वास्थ्य सुविधा के मजबूत करबाक संग-संग समाज प्रति हुनकर संवेदनशीलता आ जिम्मेदारी के सेहो दर्शाबैत अछि।

सोसाइटी के प्रेसीडेंट श्री एस. के. मेहता कहलनि जे श्री एल. एन. झा के सहयोग निवासी सभ लेल बहुत राहतपूर्ण अछि आ ई बिल्डर आ निवासी के बीच सकारात्मक संबंध के उदाहरण प्रस्तुत करैत अछि। ओ एहि अवसर पर श्री झा, यथार्थ सुपर स्पेशलिटी हॉस्पिटल, एओए टीम आ सभ रेजिडेंट्स के सफल स्थापना लेल हृदय सँ धन्यवाद ज्ञापन कएलनि।

सोसाइटी के सेक्रेटरी श्री प्रेम तिवारी कहलनि जे ई हेल्थ एंड वेलनेस केयर सेंटर प्रत्येक निवासी लेल अत्यंत महत्वपूर्ण पहल अछि। एहि सँ आपातकालीन स्वास्थ्य सेवा तुरंत उपलब्ध भ’ सकत आ दैनिक चिकित्सा जरूरत लेल भरोसेमंद व्यवस्था सुनिश्चित होएत। ओ सभ निवासी सँ अपील कएलनि जे एहि सुविधा के अधिकतम उपयोग करथि आ एकरा सफल बनाबय में सहयोग देथि।

सोसाइटी निवासी श्री विष्णु ओमर कहलनि जे मेडिकल रूम के शुरुआत केवल एक सुविधा नहि, बल्कि सुरक्षा, सहारा आ विश्वास के प्रतीक अछि। ई ओ स्थान अछि जतय जरूरत पड़ला पर तुरंत सहायता मिलत आ हर उम्र के लोक अपनाके सुरक्षित महसूस करत।

कार्यक्रम में डॉ. कृष्ण यादव (सीनियर कंसल्टेंट, कार्डियोलॉजी), एओए कार्यकारिणी के सदस्य, मातृ शक्ति आ वरिष्ठ नागरिक के भारी उपस्थिति रहल।

कार्यक्रम के समापन सामूहिक संकल्प के संग कएल गेल, जाहि में ई तय कएल गेल जे ई हेल्थ एंड वेलनेस सेंटर सोसाइटी के प्रत्येक निवासी लेल स्वास्थ्य, सुरक्षा आ विश्वास के मजबूत आधार बनत।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *