
दरभंगा: बिहार के दरभंगा सँ चीन के शंघाई शहर लेल इंडिगो एयरलाइन के कनेक्टिंग उड़ान सेवा शुरू भ’ गेल अछि। एहि नव सुविधा के पहिल दिने 18 यात्री अपन यात्रा शुरू कएने छथि, जाहि सँ क्षेत्र में उत्साह देखल गेल।
ई कनेक्टिंग उड़ान सेवा दरभंगा के अंतरराष्ट्रीय हवाई नेटवर्क सँ जोड़ैत अछि, जाहि सँ व्यापार, पर्यटन आ शिक्षा के क्षेत्र में नव अवसर खुलत। इंडिगो के ई पहल क्षेत्रीय यात्री सभ लेल समय आ सुविधा दुनू दृष्टि सँ बहुत लाभकारी साबित होएत।
जानकारी अनुसार, दरभंगा सँ कोलकाता होते चीन के शंघाई लेल ई अंतरराष्ट्रीय कनेक्टिंग उड़ान सेवा रविवार सँ शुरू कएल गेल। पहिल दिन करीब 18 यात्री दरभंगा एयरपोर्ट सँ शंघाई लेल रवाना भेलाह।
उड़ान सेवा शुरू होएला सँ यात्री सभ के चेहरा पर खुशी साफ देखल गेल। शंघाई जाए वाला सभ यात्री समय पर एयरपोर्ट पहुंचलाह आ आवश्यक प्रक्रिया पूरा कए बोर्डिंग पास लेत यात्रा पर निकलि गेलाह।
स्थानीय स्तर पर मानल जा रहल अछि जे एहि सेवा सँ दरभंगा सहित पूरा मिथिला क्षेत्र के अंतरराष्ट्रीय कनेक्टिविटी मजबूत होएत आ आर्थिक गतिविधि में तेजी आएत।