राजाभक्ति वा देशभक्ति

 

शहरसँ पलायन करैत हुजूमकेँ यूपी बॉर्डर पर रोकि एकठाम कीटनाशक दवाई छिटल जा रहल छैक। दोसर ठाम विहारक दिहाड़ी मजूर सभकेँ अपराधी जकाँ पहिने बन्द कS राखल जा रहल छैक आ फेर बॉर्डर परसँ टाटा 407 ट्रकमे माल जाल जकाँ ठुंसी कS बिहार आनल जाएत छैक। कतहु कतहु शासन प्रशासन संवेदनशील सेहो देखल जाएत अछि जतय यात्रा करैत लोककेँ भोजन पानिक व्यवस्था कएल गेल छल।

लॉक डाउन करबाक उद्देश्य समाजिक दूरी बनाकS रखबाक प्रमुख छल, तकर लतखुर्दन होयत खूब देखल गेल। एनामे जँ एकहु गोट वायरससँ प्रभावित भेल तँ जानि नहि एहि भीड़मे कतेक संक्रमित भS सकैए। विहारमे जांच केंद्र एखन केवल तीन ठाम अछि आ बिहारमे जनसँख्याक 75 प्रतिशत लोक एखनहुँ गाममे बसैत अछि आ तेहनमे जँ कहीं कोरोना सनक भूतराकस पसरल तँ जानि नहि कतेक नोकसान कS सकैत अछि?

किछु आज्ञाकारी मैथिल लोकनि कोरोना वायरस आ देशक एहि आपदाक छाड़-भार केजरीवालक कपार पर मथि रहल छथि। हुनक कहब छनि दिल्ली सरकार जानि बुझिकS दिहाड़ी मजूर सभकेँ बसमे भरिकS आनंद विहार आ आन आन सीमान धरि पहुंचा रहल छैक आ से हिनका सभ लग निस्सन व्हाट्सअप बला सबूत छनि। आ तेँ ई सरकारकेँ नैतिक आधार पर सत्ता तेजि देबाक चाहि वा केंद्र सरकारकेँ तख्तापलट कS राष्ट्रपति शासन लगा देबाक चाही। बेजाए नहि एहन आधारक जँ प्रमाण बनाओल जाए तँ दिल्ली की पूरा देशकेँ सेनाक अधीन कS देबाक चाही।

ओना एखन व्हाट्सप्प पर प्राप्त जानकारीक प्रमाणक खगता नहि होयत अछि। ओ सीधे सीधे देवलोकसँ संपादित भS हमरा सभक बीच अबैत अछि,तेँ एकरा परखबाक क्षमता एहिलोकी लेल संभव नहि? आजुका भारतक टेलीविजन पर समाचार सभ सेहो एहि विलक्षण एप्प्सक विश्वसनीयता आ सहयोगसँ प्रसारित होयत अछि।

वर्तमान सरकार हरेक मोर्चा पर विफल सिद्ध भेल अछि। जहियासँ सत्तासीन भेलाह अछि, तहिएसँ देशमे हरबीररो मचल अछि। कोनो दैविक प्रकोप वा कोनो कुंडली दोष, ग्रह दशा, भाग्य रेखा आदि इत्यादि एकबेर साहेबकेँ हमर मैथिल ज्योतिषसँ अवश्य जांच करा लेबाक चाही।

एतय झालि ढोल मजीरा पीटि मुदा अस्पताल, वेंटिलेटर, टेस्ट कीट, बेड, दवाई, भूख , बेरोजगार, रोटीक सबाल कदापि नहि उठाबी।नवका भारतमे आँखि मुनि कS हो हो करैत मुड़ी हिलबैत राजाभक्ति करैत रहू यएह यथार्थमे देशभक्ति थीक।

 

– रामबाबू सिंह मधेपुर

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *